...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

21 अक्टू॰ 2021

माधव हम परिणाम निराशा - विद्यापति

माधव हम परिणाम निराशा
तुंहूँ जगतारन दीन दयामय अतए तोहर विसवासा।

आध जनम हम नींद गमायलु जरा सिसु कत दिन भेला,
निधुवन रमनि-रभस-रंग मातनु तोंहे भजब कोन बेला।

कट चतुरानन मरि-मरि जाओत न तुअ आदि अवसाना,
तोंहे जनमि पुनि तोंहे समाओत सागर लहरि समाना ।

भनहि विद्यापति सेष समन भय तुअ बिनु गति नहीं आरा,
आदि अनादिक नाथ कहओसि अब तारन भार तोहारा।

रचनाकार : विद्यापति

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »