अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
16 जुल॰ 2021
Home
/
Maithili Song Lyrics
/
Vidyapati Geet
/
सरसिज बिनु सर सर बिनु सरसिज - विद्यापति Sarsij binu sar sar binu sarsij
सरसिज बिनु सर सर बिनु सरसिज - विद्यापति Sarsij binu sar sar binu sarsij
सरसिज बिनु सर सर बिनु सरसिज,
की सरसिज बिनु सूरे।
जौबन बिनु तन,
तन बिनु जौबन की जौक पिअ दूरे।
सखि हे मोर बड दैब विरोधी,
मदन बोदन बड पिया मोर बोलछड,
अबहु देहे परबोधी।
चौदिस भमर भम कुसुम-कुसुम रम,
नीरसि भाजरि पीबे।
मंद पवन बह, पिक कुहु-कुहु कह,
सुनि विरहिनि कइसे जीवे।
सिनेह अछत जत, हमे भेल न टुटत,
बड बोल जत सबथीर।
अइसन के बोल दुहु निज सिम तेजि कहु,
उछल पयोनिधि नीरा।
भनइ विद्यापति अरे रे कमलमुखि,
गुनगाहक पिय तोरा।
राजा सिवसिंह रुपानरायन,
रहजे एको नहि भोरा।
रचनाकार : विद्यापति
शेयर करू
Newer Article
⏳
Older Article
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2021/07/actor-govind-pathak-bio.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/12/rang-udabai-dabang-bhari-jhori.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !