अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
10 दिस॰ 2016
माधब तोहें जनु जाह बिदेस लिरिक्स - विद्यापति
Madhab Tohen Janu Jah Bides lyrics
माधब तोहें जनु जाह बिदेस।
हमरा रंग रभस लएजएबह, लएबह कौन सनेस॥
बनहिं गमन करु होएति दोसर, मति बिसरि जाएब पति मोरा।
हीरा मनि मानिक एको नहिं माँगब, फेरि माँगब पहु तोरा॥
जखन गमन करु नीर नयन भरु, देखहु न भेल पहु ओरा।
एकहि नगर बसि पहु भेल परबस, कइसे पुरत मन मोरा॥
पहु संग कामिनि बहुत सोहागिनि, चंदै निकट जइसे तारा।
भनइ विद्यापति सुन बर जौबति, अपन हृदय धरु सारा॥
Tags
Vidyapati Geet
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2016/12/maithili-singer-archana-sanehi.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2016/12/maithili-panchang-2017.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Vidyapati Geet
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !