...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

16 जून 2016

पीन पयोधर दूबरि गता लिरिक्स - विद्यापति

Peen Payodhar Dubari Gata 

पीन पयोधर दूबरि गता। 
मेरु उपजल कनक लता॥ 

ए कान्ह ए कान्ह तोरि दोहाई। 
अति अपरुब देखलि राई॥ 

मुख मनोहर अधर रंगे। 
फुललि मधुर कमल संगे॥ 

लोचन जुगल भृंग अकारे। 
मधु मातल उड़ए न पारे॥ 

भउँहुक कथा पूछह जनू। 
मदन जोड़ल काजर-धनू॥ 

भन विद्यापति दूति बचने। 
एत सुनि कान्ह करु गमने॥ 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »