अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
3 अक्टू॰ 2025
Home
/
Chhath Puja Geet
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
Sharda Sinha
/
भोरहि सवेरे उगीह जी बाबा लिरिक्स - Bhorhi Sawaire Ugih Lyrics
भोरहि सवेरे उगीह जी बाबा लिरिक्स - Bhorhi Sawaire Ugih Lyrics
Bhorhi Sawaire Ugih Sharda Sinha Maithili Chhath Geet
भोरहि सवेरे उगीह जी बाबा बांझीन करेली पुकार,
भोरहि सवेरे उगीह जी बाबा अन्हरा करेला पुकार,
गंगा जी नहायब पूजन करायब,
गंगा जल लिपब दुआर,
गंगा जी नहायब पूजन करायब,
गंगा जल लिपब दुआर,
खरना पूजायब, भोगबा लगायब,
छठी माय के करब गोहर,
खरना पूजायब, भोगबा लगायब,
छठी माय के करब गोहर..
पहिला अरघ हम सँझिया के देहब,
दुसर अरघ भिनसार
पहिला अरघ हम सँझिया के देहब,
दुसर अरघ भिनसार,
जाय के आंगनमा मुँहमा झूटाएब,
बाँटब बेन तिहार,
जाय के आंगनमा मुँहमा झूटाएब,
बाँटब बेन तिहार..
बांझीन के ललना, अन्हरा के नैना,
निर्धन के धनमा अपार,
बांझीन के ललना, अन्हरा के नैना,
निर्धन के धनमा अपार
हमरा के देहब अटल सेनुरबा,
कोढ़ियन कयवा हजार,
हमरा के देहब अटल सेनुरबा,
कोढ़ियन कयवा हजार,
भोरहि सवेरे उगीह जी बाबा बांझीन करेली पुकार,
भोरहि सवेरे उगीह जी बाबा अन्हरा करेला पुकार।
एल्बम : सुपवा ले लऽ बबुआ
स्वर : सारदा सिन्हा
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/10/chot-devraniya-se-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/10/suraj-ke-sato-karaniya-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !