गुरुवार, 15 दिसंबर 2016

मैथिली आ भोजपुरी के प्रसिद्ध गायिका 'अर्चना स्नेही'

मिथिला धरोहर, प्रभारक मिश्रा, सहरसा : मैथिली आ भोजपुरी के प्रसिद्ध गायिका अर्चना स्नेही ( Maithili Singer Archana Sanehi, Bhavani Nagar ) नै  केवल अपन गायकी के बल पर राज्य आ राष्ट्रीय स्तर के मंच के सुशोभित कऽ रहल छथि। अपितु छोट बुच्ची सब के नृत्य आ संगीत के शिक्षा दऽ ओकर प्रतिभा के निखारबा के अनवरत प्रयास कऽ रहल छथि।

इहो पढ़ब:-

मूल रूप सँ सहरसा जिलाक, भवानी नगर के निवासी अर्चना जी वर्ष 1993 ई० मे रमेश झा महिला कॉलेज सहरसा सँ संगीत प्रतिष्ठा के डिग्री प्राप्त कऽ ओ अनवरत आगू बढ़ैत चलैत गेलि। अर्चना स्नेही के गीत सँ अखन धरि मैथिली आ भोजपुरी मे 13 टा एलबम के निर्माण भऽ चुकल अछि। भोजपुरी एलबम 'गदर मचा देम बिहार में' हिनकर पहिल रिकॉडिंग एलबम अछि जे 2010 मे बनल छल।
एकर उपरांत मैथिली मे 'हे मां काली, 'फगुआ मजेदार' धार्मिक मुंडन एलबम 'सुन्दर बौआ आ  भोजपुरी मे 'दबंग बिहारी, उखवा के रस, 'देवघर से टिकुलिया ले अईह, 'देवघर से चिट्ठी आईलवा, मईआ मेरी दुलरी' आदि एलबम सँ श्रीमती स्नेही अपन अलग पहचान बना लेने छथि। 

इहो पढ़ब:-

वर्ष 2004 मे अर्चना स्नेही जी स्नेही संगीतालय खोललनी। तखन सँ एखन धरि ओ लगभग तीन सौ बच्चियां के नृत्य आ
संगीतक प्रशिक्षण देने छथि। अहिमे सँ बहुते बच्चियां राज्य आ देशक महत्वपूर्ण मंचों पर अपन कार्यक्रम दऽ चुकल छथि। पिछला साल (2015) दिल्ली ऑडिशन मे इंडिया हुनरवाज मे हिनका द्वारा प्रशिक्षित हनी कुमारी आ शिवानी चयनित भेल छलि।

इहो पढ़ब:-

साल 2015 मे पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहार बाजपेयी केर जन्म दिन पर सुगम संगीत के लेल प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी जी पटना मे सम्मानित केलनि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !