अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
16 फ़र॰ 2018
साउथ फिल्मक टॉप हीरोइन छथि दरभंगा के कावेरी झा
मिथिला धरोहर : मूलत: दरभंगा (Darbhanga) जिलाक रहनिहारि कावेरी झा - Kaveri Jha के जन्म २१ मई १९८३ भेल छनि। सहरसा हिनक नानी गाम छनि। प्रारंभिक आ उच्च शिक्षा प्राप्त केला उपरान्त कावेरी मोडेलिंग केँ अपन कैरियर चुनलनि। २००५ मे कावेरी फेमिना मिस इंडिया मे मिस पर्सनालिटीक पुरस्कार सँ सम्मानित भेली संगे हिनका मिस महाराष्ट्रक खिताब सेहो भेंटि चुकल छनि। कला विषय में उपाधी ग्रहण केलाक पश्चात कावेरी झा अपन फिल्मी करियरक शुरुआत भूल भुलैया मे २००७ सँ केलनि। साजिद खान के नेतृत्व मे ओ टीवी शो के मेजबानी सेहो केलनि। कावेरी झा एयर इंडिया मे एयर होस्टेस के काज सेहो क चुकल छथि।
दक्षिण भारतीय सिनेमा (तेलगु) मे ब्रेक भेटलाक बाद अपन अभिनय आ सुन्दरताइ सँ जल्दिये टप स्टार एक्ट्रेस केर रूप मे प्रसिद्धि प्राप्त केली। हाइजैक, जेल, सिंघम, बम-बम भोले, ए फ्लैट आदि हिन्दी फिल्म मे सशक्त भूमिकाक संग तमिल, तेलगु, मलयालम मे हिनक तीन दर्जन सँ बेसी फिल्म बतौर नायिका छन्हि। तेलगु आ मलयालम फिल्म मे नागरम, ओह चित्राम, ना गर्ल फ्रेन्ड बगा रिच, सलीम, कन्दाहार, इत्यादि छन्हि। एकर अलाबा ओ कतेको विज्ञापन मे सेहो उल्लेखनीय कार्य क चुकल छथि।
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2018/02/bar-parichhan-maithili-geet.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/09/maa-ke-dwaar-par-arahul-phul-gachhiya.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Mithilak Artist,
Mithilani
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)


कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !