गुरुवार, 25 सितंबर 2014

नवादा दुर्गा स्थान मिथिलाक सिद्ध पीठ

मिथिला धरोहर, दरभंगा : बेनीपुर अनुमंडल मुख्यालय सँ पाँच किलोमीटर उतर-पश्चिम अवस्थित नवादा गाँव में हयहट्ट दुर्गा स्थान सिद्ध पीठ मानल जाइत अछि। ( Navada Durga Sthaan, Benipur, Darbhanga ) एही पीठक उत्पत्ति शिव प्रिये सती सँ जुरल अछि।
तंत्र चुडामणि में सती अंग सँ सम्बंधित कुल 52 सक्तिपिठक चर्चा अछि। जाहि में ईहो प्रमाणित अछि। देवी भागवत पुराण एवं मत्स्य पुराण कऽ अनुसार सती के वाम स्कन्ध एतही खसल छलनी। कहल जाइछ जे लगभग 600 वर्ष पूर्व रजा हयहट्ट द्वारा एतय जगदम्बा मूर्ति स्थापित भेलनी ।
बहेरी प्रखंड के हावीडीह गामक एकटा साधक प्रति दिन साधना-आराधना लेल आबैत छलाह । पछाति विर्धा अवस्था में दुर्बल कायाक कारण भगवतीक प्रेरणा सँ सिंघासन सँ मूर्ति उठाकए हावीडीह चली गेलाह जतय आयो ओही मूर्तिक पूजा कएल जाईछ। पछाति हावीडीह सँ नवादा मूर्ति अनबाक लेल संघर्ष के स्थिति बनी गेल अन्ततः नवादाक सिधिपिठ में अगवे सिंघासन शेष रहल जकरहि पूजा होइत रहल अछि।



शनिवार, 20 सितंबर 2014

Maithili Film Half Murder : Story Based on True Event - हाफ़ मर्डर मैथिली फिल्म

मि.ध. : मैथिलि फ़िल्म हाफ़ मर्डर ( Half Murder Maithili Movie ) बहुचर्चित पिपि मधुबनी काण्ड (सत्य घटना) पर आधारित फिल्म अछि। विभिन्न प्रकारकऽ विवादित चर्चा जहिना मधुबनी काण्ड केँ संग रहल छला तहिना किछु एहि सिनेमा केँ संग सेहो रहल मुदा नीक हाथ में आबि ई सिनेमा 3/10/2014 के रिलीज़कऽ लेल तैयार भऽ गेल सकल। सांईचरण इंटरटेनमेंट बैनरकऽ अधीन बनल मैथिलि फ़िल्म "हाफ़- मर्डर" केँ निर्माता-निर्देशक छैथ रमानाथ झा आ सह- निर्माता छैथ आदित्य नाथ मिश्र, लेखक छैथ अनिल झा आ संगीत देने छैथ सुनील झा 'पवन'। 

पिछला एक-दु साल में मैथिलि फ़िल्म निर्माण में तेजी देखल जा सकैत अछि मुदा मैथिलि सिनेमा अपन ओं पहचान नै बना पेलक जेकर ओं हकदार अछि। 'हाफ-मर्डर' सिनेमा केँ मैथिलि फ़िल्मक अगिला डेग मानल जा रहल अछि। एही फ़िल्म में अपन मधुर आवाज देने छैथ - नामी गिरामी गायक सर्वश्री रविन्द्र जैन, मो. अज़ीज़, शान, कविता कृष्णमूर्ति, उदित नारायण झा, कुमार शानू, ज्ञानेश्वर दुबे आ सुनील झा 'पवन' इत्यादी, हिनका सबक द्वारा गाओल गीत में सँ किछु गीत सुनवा में बहुते सुंदर लागैत ऐछ आ बेर बेर सुनवाक मोन होइछ। १५ सितम्बर, सोम दिन दिल्लीक लोधी रोड स्थित लोक कला मंच के बासुकी ऑडिटोरियम एंड गायत्री हॉल में एही सिनेमाक प्रीमियर राखल गेल छल। अपरिपक्व उम्र में कैल गेल प्रेम क दुष्परिणाम के दर्शावैत ई फिल्म टीनेजर्स आ माता पिताक लेल एकटा सन्देश देईत अछि। फिल्म क माध्यम सँ समाज क सभ वर्ग के ई सन्देश देल गेल अछि जे कुनो तरहक गलत अफवाह पर ध्यान नै देल जाअ। 

(Report : सुधाकर मिश्रा)

रविवार, 14 सितंबर 2014

अक्टूवर में आबि रहल ऐछ "छौरा अगत्ती"

मि.ध., मधुबनी : गाम-समाजक ठेकेदारकऽ गुंडागर्दी आ दादागिरी कऽ खत्म करै लेल ओहि समाजक दबल-कुचल्ल, निम्न वर्गकऽ सोसित समाजक परिवार सँ एकटा युवक (हीरो बैन) आंगु आबैत ऐछ, अपन समाज सँ एही गुंडागर्दी कऽ कु-असर कऽ खत्म करै लेल, तेहन मऽ समाजकऽ लोग सब ओहि युवक कऽ नाम दैत अछि "छौरा अगत्ती"
हम बात कऽ रहल छि अगिला आबै वला मैथिलि फ़िल्म "छौरा अगत्ती" कऽ बारे मऽ, फिल्मकऽ कहानी गाम-घर, चौक-चौराहा आ बस स्टेंड सब पर चली रहल गुंडागर्दी, दादागिरी कऽ खिलाफ अछि। जे सम्भव अछि अपने सबकऽ सिनेमा घर मऽ अक्टूवर मऽ छैठ पूजाक अवसर पर रिलीज होयत। फिल्मक सूटिंग मधुबनी सहित नेपाल कऽ अलग-अलग लोकेशन मऽ फ़िल्मायल गेल अछि।
जी.आर.सिनेविजन कऽ बैनरक अधीन बनल फ़िल्म "छौरा अगत्ती" कऽ निर्माता छैथ मिथिलेश चौरसिया आ निर्देशित केने छैथ नेपालक प्रसिद्ध निर्देशक आर. विश्वकर्मा, फ़िल्म पाठ कथालिखने छैथ - अशोक चंचल।  

 
फ़िल्मक मऽ मुख्य कलाकार छैथ - मिथिलेश चौरसिया (अभिनेता), रवीना ख्रका (अभिनेत्री), विजय मिश्रा, भारत भूषण, शुभ नारायण झा, निलेश दीपक, ललित यादव, रमनजी झा आदि। गीत लिखने छैथ -ईद मोहम्मद, संगीत देने छैथ - एम के झा आ पवन नारायन, फ़िल्म में अपन आवाज देने छैथ -पवन नारायण आ रानी। (Report: प्रभाकर मिश्रा, मिथिला धरोहर)

बुधवार, 3 सितंबर 2014

Maithili Movie Meet Hamar Janam Janam Ke - मैथिलि फ़िल्म मीत हमर जनम जनम के

मि. ध. : मिथिलांचल केँ प्रसिद्ध गायक विकाश झा मैथिलि गायका म अपन रंग छोईर चुकल छैथ। संगे हाले में रिलीज भेल बॉलीवुडकऽ हिन्दी फिल्म 'लक इन टेंशन' में अपन संगीत संगे अपन आवाजो सेहो देलैथ हँन। आब विकाश झा अपन एक्टिंग कैरियर कऽ शुभ आरंम्भ कऽ रहल छैथ बतौर हीरो कऽ रूप म, नव मैथिलि फ़िल्म "मीत हमर जनम जनम के" कऽ संगे। 
जे.एम. प्रोडक्शन प्राइवेट लिमिटेड बैनरकऽ अधीन बनल फ़िल्म "मीत हमर जनम जनम के" कऽ निर्माता छैथ मुंदराज नगर, संजय पोसवाल ऑउर महेश भाटी आ निर्देशक छैथ - संतोष राणा ।

इहो जरूर पढ़ब :- 



 
एही फ़िल्मक अभिनेता छैथ मिथिला कऽ प्रसिद्ध सिंगर विकाश झा ऑउर अभिनेत्री छथि अर्चना सिंह। इ फ़िल्म एकटा रोमांटिक मैथिलि फ़िल्म अछि, जही में विकाश झा अपन मधुर आवाज सेहो देने छैथ। फ़िल्म कतेक सफल रहत इ तऽ फ़िल्म रिलीज कऽ बादे पता चलत, मुदा फ़िल्म कऽ पोस्टर म किछ अलग करै केँ कोसिश कैल गेल अछि, भले इ पोस्टर हिन्दी फ़िल्म आशिकी-2 कऽ कॉपी होय।