...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌙
✨ आगामी त्यौहार
चौरचन पूजा तिथि और पूजा मंत्र
📅 सितम्बर 2026
और पढ़ें »
📢
​🎉 अहाँक लेल आबि गेल अछि 'संगी'! मिथिला धरोहरक नव स्मार्ट असिस्टेंट 'संगी' सँ भेंट करू। आब पंचांग, पावनि-तिहार, विवाह गीत वा गोनू झाक कथा खोजब भेल आओर सुगम। नीचाँ देल (दांया कात) चैट बटन पर क्लिक करू आ 'संगी' सँ तुरन्त गप्प करू!
Entertainment लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
Entertainment लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

21 मार्च 2023

Entertainment

Top 10 Maithili Movie | Top 10 Most Popular Maithili Film

मिथिला धरोहर
Top 10 Maithili Cinema (Sorted by Years Ascending)


1. सस्ता जिनगी महग सेनुर

सस्ता जिनगी महग सेनुर फिल्म के कहानी दहेज़ उत्पीड़न पर आधारित अछि। आमुरलीधर द्वारा निर्देशित, ललितेश झा, लल्लन सिंह और स्वाति सिंह, मुरलीधर, रोमी ठाकुर मुख्य भूमिकाओं मे छथि। निर्माता बाल कृष्ण झा। संगीत निर्देशक अभिराज झा आ मुरलीधर, गीत गेने छथि उदित नरायण, मोहम्मद अजीज, साधना सरगम आदि। सस्ता जिनगी महग सेनुर फिल्म सं सम्बन्धित पूर्ण जानकारी लेल क्लिक करू-

देखु 🎬 
Sasta Jingi Mahag Senur Full Movie
 



2. आउ पिया हमर नगरी (2000

आशु-प्रिया प्रोडक्शन द्वारा प्रस्तुत आऊ पिया हमर नगरी 2000 मे रिलीज भेल छल। अहि फिल्म के 90% शूटिंग निर्देशक मुरलीधर के निर्देशन मे भेल छल। बाद मे कुनो झगड़ाक कारण डॉ. मणिकांत मिश्र अपना के फिल्म के निर्देशक घोषित क देलखिन। गीतकार अभिराज, कल्पना मिश्रा, संगीत: ज्ञानेश्वर दुबे, स्वर: उदित नारायण, दीपा नारायण झा, अनुराधा पौडवाल, सपना अवस्थी।

Aau Piya Hamar Nagari Movie




3. सेनुरक लाग (2004)

निदेशक: विनीत यादव। संवाद, कहानी: प्रतिमा राज, पटकथा: विनीत यादव। मुख्य कलाकार: धारिणी, संजय झा, संजय मिश्रा, उमाकान्त राय, मोनिका, चित्रा सिंह।

देखु 🎬 
Maithili Film Senurak Laaj Full Movie 





4. कखन हरब दुख मोर (2005)

ई फिल्म महान मैथिली कवि विद्यापति के जीवन पर आधारित अछि। संतोष बादल द्वारा निर्देशित,  अहि फिल्म में विद्यापति के भूमिका निभेलनि अभिनेता फूल सिंह के उत्कृष्ट प्रदर्शन अछि। अवधेश मिश्रा महादेव के आ दीपक सिंह उगना के भूमिका में छथि। संगीत ज्ञानेश्वर दुबे के और गीत गेने अछि उदित नारायण, ममता राजे अछि। पटकथा लेखक: अभिराज झा, कहानीकार: अभिराज झा, संवाद लेखक: अभिराज झा।

देखु 🎬 
Maithili Film Kakhan Harab Dukh Mor Full Movie



5. दुलरुआ बाबू (2005)

देखु 🎬 
Maithili Film Dularua Babu Full Movie




6. सजना के अंगना में सोलह सिंगार (2011)

मुरलीधर द्वारा निर्देशित अहि फिल्म सजना के आँगन मे सोलह सिंगार में मिथिला समाज मे व्याप्त कुरीति सभ फ़िल्मक केंद्र मे अछि मुख्य फोकस विधवा विवाह पर अछि। अहि फ़िल्मक गीत संगीत कर्णप्रिय अछि। जेकरा स्वर देने अछि उदित नारायण, साधना सरगम, दीपा नारायण।

Sajan Ke Aangan Me Solah Singar Maithili Movie



7. लव यू दुल्हिन (18/10/2019) Love You Dulhin

मैथिली सिनेमा लव यू दुल्हिन के कथा कुशहा बाढ़ त्रासदी पर आधारित अछि। श्री राम जानकी फिल्म्स तर बनल अहि मैथिली फिल्म 'लव यू दुलहिन' के निर्माता छथि विष्णु पाठक आ रजनी पाठक और निर्देशित केने छथि मनोज श्रीपति। कलाकार रूप में विकास झा, आलोक कुमार, अमिय कश्यप, अनिल पतंग, विजय मिश्र, शुभ नारायण झा, प्रतिभा पांडेय ,इंनुश्री आ पूजा पाठक। एहि फिल्म के अहाँ Zee5 OTT पर फ्री देख सकै छी।



8. ललका पाग (7/2020) Lalka Paag

सेक्रेड फिग एन्टरटेनमेंट लेल एहि फिल्मक निर्माण गुजराती युवा रत्नेश एन शाह छथि आ निर्देशक प्रशांत नागेन्द्र। उक्त फिल्म मिथिलाक नारी संवेदना पर केंद्रित अछि, मुख्य भूमिका मे स्वेता वर्मा, मीना गौतम, रोशन राज, प्रेमलता मिश्र प्रेम आ उमाकांत छथि। प्रसिद्ध रचनाकार हृदय नारायण झा आ कुणालक गीत कें सीताराम सिंहक संगीत गायक उदित नारायण झा, नंदिता चक्रवर्ती स्वर देलनि छथि।


9. मिथिला मखान (2/10/2020) - Mithila Makhaan 

निर्देशक नितिन चंद्रा ‘चंपारण टॉकीज़’ के बैनर तर फिल्म ‘मिथिला मखान’ फिल्मक प्रमुख रोल मे क्रांति प्रकाश, अनुरिता झा, पंकज झा, प्रेमलता मिश्र प्रेम छथि। अहि फिल्म के ६३मा राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कार भेंटि चुकल अछि। अहि फिल्म के अहाँ मिथिला मखान ऑफिसियल वेबसाइट पर खरीद के देख सकै छी।


10. मैथिली (8/5/2022) Maithili

निर्माता सन्तोष झा आ निर्देशक शशि पाठक के मैथिली फिल्म जकर नाम "मैथिली" अछि अहि फिल्म कथा बेटी बचाओ-बेटी पढ़ाओ, दहेज प्रथा, बाल विवाह संग सामाजिक कुप्रथा के विरुद्ध अछि। मुख्य कलाकार में अम्बिका सिंह वाणी, विकाश झा, ललितेश झा, राजीव सिंह, महाभारत सीरियल के युधिष्ठिर गजेंद्र चौहान आदि छथि।

7 मार्च 2023

Entertainment

Noon Roti Maithili First Web Series - मैथिली वेब सीरीज नून रोटी

मिथिला धरोहर
नून रोटी (Noon Roti Maithili Web Series ) मैथिली भाषा में बनल पहिल वेब सीरिज़ अछि जे मैथिल क्राउड फंड सहयोग सं तैयार भेल अछि। 

अहि वेब सीरीज के जइर पूर्ण रूप सं बिहारे सं जुरल अछि। कहानी पलायन के एकटा अलग पक्ष के सोझा लायत। खास उत्तर बिहार अर्थात मिथिला कऽ युवा, बेरोजगारी, मजबूरीक समस्या देखायल गेल अछि।

विकास झा द्वारा लिखित, संपादित आ निर्देशित नून रोटी सीरीज के दरभंगा, भागलपुर, सहरसा, सीतामढ़ी, मधुबनी, बेगूसराय, पूर्वी चंपारण के बाल्मीकि नगर मे एकर शूटिंग कैल गेल अछि।

नून रोटी वेब सीरीज चाइर टा युवाक कहानी अछि। और इ चारु कलाकारो मिथिले सं अछि। दिबाकर झा दरभंगा के छथि। ALT balaji आ Sony LIV के वेब सीरीज के लेल ओ काज कऽ चुकल छथि। मुजफ्फरपुर के मणि कौशिक, भागलपुर सं ऋषभ कश्यप, सहरसा सं आदर्श भरद्वाज इ चाइर टा मुख्य एक्टर्स अछि।

Noon Roti Web Series Release Date - नून रोटी वेब सीरीज 27 अक्टूबर 2023 के मधुर मैथिली युट्यूब चैनल पर देखल जा सकैत अछि। 

Platform: मधुर मैथिली (यूट्यूब)
Release Date: 27 अक्टूबर 2023
Directed by: Vikas Jha
Language: Maithili

NOON ROTI Official Trailer

23 फ़र॰ 2023

Entertainment

मैथिली फिल्म जैक्सन हॉल्ट - New Maithili Movie Junction Halt

मिथिला धरोहर
चंपारण टॉकीज के बैनर तऽर बनल मैथिली थ्रिलर फिल्म ''जैक्सन हॉल्ट" (Jackson Halt Movie) के निर्माता अभिनेत्री नीतू चंद्रा श्रीवास्तव आ नितिन चंद्रा श्रीवास्तव छथि।

मुख्य कलाकार : निश्चल अभिषेक, राम बहादुर रेणु,  दुर्गेश कुमार, विकास सिन्हा, कुंदन आर्य, अर्चित दामोदर रस्तोगी, निभा झा, बापी भट्टाचार्य, शांतनु दत्त, शिवानी झा ।

अहि फिल्मक शूटिंग मधुबनी जिला मे ब्राह्मोतरा, उगना महादेव के आस-पासक लोकेशन पर फिल्मायल गेल अछि।

Jackson Halt Maithili Film Release Date -
Platform: Bejod (www.bejod.com)
Release Date: 5 May 2023
Directed by: Nitin Neer Chandra
Language: Maithili

Teaser Jackson Halt Movie

5 मई 2022

Entertainment

Maithili Film Sasta Jingi Mahag Senur - मैथिली फिल्म सस्ता जिनगी महग सेनुर

मिथिला धरोहर

सन 1999 मे प्रदर्शित भेल मैथिली सिनेमा ‛सस्ता जिनगी महग सेनुर’ के अपार सफलता इ साबित केलक जे पटकथा अगर नीक होय तऽ मिथिला मे बनल क्षेत्रीय आ भाषाई फिल्मो सेहो सफल भऽ सकैत अछि।

दहेज-उत्पीड़न पर बनल एहि फिल्म मे मुख्य अभिनेता ललितेश झा, स्वाति आंनद, राजीव सिंह छलथि जहनकि मुरलीधर, मोना, विनीत कुमार झा ,बालकृष्ण झा, ललन सिंह, सुरेश आनंद, मार्शा, आभा, प्रेमलता मिश्र अहम भूमिका मे छलैथ।
फिल्मक सबटा आठो गीत के शशिकांत चौधरी, अभिराज और मुरलीधर लिखने छलथि। फिल्मक सबटा गीत टुन स्टूडियो मुम्बई मे रिकॉर्ड भेल छल। संगीतकार मुरलीधर छलथि। पार्श्व गायक उदित नारायण झा, साधना सरगम, दीपा नारायण झा, मोहम्मद अजीज, सुरेश वाडेकर, राजेश झा आ मुरलीधर फिल्मक आठ गीत के स्वरबद्ध केलनि।

‛कनि हंसियौ नै सजनी गुलाब कहै येय’ के पार्श्व गायक उदित नारायण झा, दीपा नारायण झा गेलथि। ‛गे छौरी नाच नाच’ के मोहम्मद अजीज आ दीपा नारायण झा, ‛मुर्गा कहै छै कूँक रु कूं के दीपा नारायण झा, ‛तीर चला क नैना कोर सं’ के साधना सरगम, ‛सस्ता जिनगी महग सेनुर’ आ ‛पछिया उड़ाक ले गेलै बुच्ची सिमर के रुइया’ के मुरलीधर स्वर देलथि।
अहि फिल्मक एकटा होली के एक गीत ‛चटकदार चोली चुनर रंग लाल’ के ललितेश झा, राजेश झा, सुरेश आनन्द आ मुरलीधर संगे गेने छलथि। खास गप्प इ अछि जे एहि गीतक शूटिंग होली के दिन निर्माता बालकृष्ण झाक गांव बलिया (मधुबनी) मे भेल छल।

इहो पढ़ब :-

फिल्म मे कृष्णकांत (कृष्णा) के किरदार भोजपुरी, मैथिली आ गुजराती फिल्मक अभिनेता ललितेश झा निभेने छलथि। जहनकि कृष्णा के प्रेमिका राधा के भूमिका उज्जैन, मध्य प्रदेश के स्वाति आनंद निभेलथि। हिनका अहाँ मशहूर टीवी सीरियल ‛कुमकुम भाग्य’ (मिताली भाभी के रोल) 'पवित्र रिश्ता' आ ‛नागिन’ आदि मे देखने हेबनी।
खलनायक गजराज के भूमिका मे राजीव सिंह छलथी, फिल्म मे हिनकर इ किरदार लोक के बड़ पसन्द आयल छल। कृष्णा के बहिन चंदा के किरदार मोना निभेलनी जहनकि पण्डित नागेन्द्रनाथ के रोल लल्लन सिंह केने छलथि। अमरनाथ के भूमिका मुरलीधर निभेलथि, संटूआ के किरदार मे रोमी ठाकुर छल ओतय मार्शा संटूआ प्रेमिका टुनिया रोल मे छली।

इहो पढ़ब :-

निर्माता बालकृष्ण झा बलदेव के भूमिका निभेलथि, बलदेव के पत्नी ‛सरसों वाली’ के किरदार अनुराधा आ हुनकर मां के भूमिका रूबी अरुण निभेने छलथि।
छोट भूमिका मे विनीत झा शैतान सिंह, सुरेश आनन्द रंकुलाल, प्रेमलता मिश्र गजराज के मां, कल्पना झा राधा के काकी, बसंत कुमार राधा के काका, बिंदी चौधरी टुनिया के बापक भूमिका मे छलथि।

अहि फिल्मक निर्माण हेबा मे असली समस्या छल निवेश करबाक। पार्टनरशिप के तहत 51% बालकृष्ण झा आ 49% निवेश पर मुरलीधर के सहमति बनलनी। अहि फिल्म शूटिंग नेहरा गांव मे भेल छल। 

इहो पढ़ब :-

फिल्म ‛सस्ता जिनगी महग सेनुर’ के हिट हेबाक पाछु स्क्रिप्ट के विशेष योगदान छल, चूंकि कहानी दहेज आ महिला उत्पीड़न पर आधारित छल तैं दर्शक कहानी आ फिल्मक किरदार सं भावनात्मक जुड़ाव महसूस केलक। ओहि दौर मे क्षेत्रीय भाषा मे बनल कमे फिल्म छल जे बिहारक सिनेमाघर मे सौ-सौ दिन चलल होय, ‛सस्ता जिनगी महग सेनुर’ सफलता मैथिली सिनेमाक बहुते प्रोत्साहित केने छल।

3 नव॰ 2021

Entertainment

जय बाबा बैद्यनाथ : मैथिली के पहिल रंगीन फिल्म आ सशक्त महिला के कहानी - Jai Baba Baidyanath Maithili Film

मिथिला धरोहर

द्वादश ज्योतिर्लिंग मे सं एक देवघर स्थित बाबा बैद्यनाथ धाम के महिमा आ चमत्कार के बखान करैत फिल्म अछि ‘"जय बाबा बैद्यनाथ"। मैथिली सिनेमा के इतिहास मे पहिल रंगीन फिल्म आ दोसर मैथिली फिल्म ‛जय बाबा बैद्यनाथ’ 1979 मे प्रदर्शित भेल छल। ( Jai Baba Baidyanath Was First Color Movie of Maithili Language )

मैथिली भाषा के पहिल धार्मिक फिल्म हेबाक गौरव प्राप्त करय बला अहि फिल्म के नाम पहिले "मधुश्रावणी" छल। चूंकि इ व्रत-पूजन मिथिलांचल धरि सीमित अछि ताहिलेल नाम बदैल ‛जय बाबा बैद्यनाथ’ कैल गेल ताकि फिल्म बेसी सं बेसी लोग धरि पहुंच सकै। फिल्म मे मैथिलीक संगे-संग हिंदी भाषा के संवाद के सेहो प्रयोग कैल गेल छल।
फिल्म जय बाबा बैद्यनाथ के पोस्टर
विश्वजीत चटर्जी, सोमा सालकर, विपिन गुप्ता, त्रिलोचन झा, ईशानी, पंकज, महादेव सिंह, बकुल, सुभद्रा, बीना, सपना, ठाकुर जदुनाथ, ठाकुर कौशल किशोर, बाल अभिनेता पिंकू अहि फिल्म के मुख्य कलाकार छलथि जहनकि डी.वी. राणा, महादेव सिंह आ बॉलीवुड के स्थापित गीतकार, निर्माता आ निर्देशक दरभंगा निवासी प्रह्लाद शर्मा अहि फ़िल्म के निर्माता छलथि। अहि फिल्म के निर्देशनो प्रह्लाद शर्मा जी केने छलथि आ प्रसिद्ध संगीतकार वी. बलसारा फिल्मक संगीत देने छलथि।

इहो पढ़ब:- 

यश प्रोडक्शन्स के बैनर तर बनल अहि फिल्म मे 8 टा गीत छल जेकरा मैथिली साहित्यकार आचार्य सोमदेव आ पं. चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’ आ प्रह्लाद शर्मा लिखने छलथि।
विद्यापति के प्रसिद्ध गीत ‛कखन हरब दुख मोर’ के अलाबा चन्द्रनाथ मिश्र ‛अमर’  ‛बर के देख गे माई’, ‛लिखलहुं हं चिट्ठी’, ‛सावन आवन कहि गेल’, सोमदेव के ‛तोहर गोर गोर अंग’ जहनकी प्रह्लाद शर्मा जी ‛मोहे दर्शन दो अविनाशी’, ‛तुझे कौन कहेगा दानी’, ‛रूठकर जाते कहां सनम’ लिखने छलथि। 

प्रह्लाद शर्मा के लिखल तीनु गाना हिंदी मे जहनकि आन 5 गो गीत मैथिली भाषा मे छल। ‛रूठकर जाते कहाँ सनम’ गीत के मोहम्मद रफी आशा भोसले स्वर देने छलथि जे यूट्यूब पर उपलब्ध अछि। फिल्म के एडिटिंग बैद्यनाथ चटर्जी केने छलखिन, फोटोग्राफी विजय डे आ शांति दत्ता केने छलथि। फिल्म के डायलॉग निर्देशक प्रह्लाद शर्मा लिखने छलथि।
सिंहवाड़ा ड्योढ़ी के यैह घर मे शूटिंग भेल छल, छवि : रोहित ठाकुर
फिल्मक बेसी हिस्सा के शूटिंग सिंहवाड़ा ड्योढ़ी (दरभंगा) मे भेल छल जाहिमे फिल्म मे निरसू झाक किरदार निभेनिहार चौधरी यदुनाथ ठाकुर घर के प्रयोग कैल गेल छल।

अहिस पहिले प्रह्लाद शर्मा के निर्देशन मे 7 फिल्म बनल छल जाहिमे 1976 मे ‛वही लड़की’,  ‘प्यार’ (1969), ‘धूप-छांव’ (1977), ‘रातेर कुहेली’ (1968), ‘विद्यापति’ (1964), ‘रंगेर कुएली’ (1968), ‘प्रेम की गंगा’ (1971) आ 8वीं फिल्म ‘जय बाबा बैद्यनाथ’ (1979) छल।फिल्मक शूटिंग मुख्य रूप सं सिंहवाड़ा ड्योढ़ी मे भेल जहनकि किछ हिस्सा के शूटिंग देवघर आ कलकत्ता मे भेल छल।

इहो पढ़ब:-

फिल्मक कहानी :-
फिल्मक कहानी राजपुर के निरसू झा (चौधरी यदुनाथ ठाकुर) के घर सं शुरू होइत अछि जिनका बियाहक बहुत दिनक उपरांतो संतान नै होइत अछि। संतानहीन हुनकर पत्नी के एकटा साधु  'बाबा बैद्यनाथ' सं संतान के कोबला करबाक सलाह दैत अछि। और फेर भगवान शिव जी के कृपा सं निरसू झा के घर एकटा सुंदर बालिका के जन्म होइत अछि। बालिका के नाम माधवी (सोमा सालकर) राखल जाइत अछि। किछे वर्ष बाद माधवी के मायक देहांत भऽ जाइत अछि। आर्थिक स्थिति कमजोर भेला सं और तत्कालीन सामाजिक व्यवस्था के कारण सं माधवी शिक्षा सं वंचित रैह जाइत अछि। माधवी के नमहर भेला पर पिता निरसू झा चंदनपुर निवासी अमरनाथ (विश्वजीत चटर्जी) सं बियाह कऽ देल जाइत अछि। 
माधवी के किरदार निभेनिहार अभिनेत्री, छवि : दी न्यूज़ क्लब
अमरनाथ कलकत्ता मे मेडिकल के पढ़ाई कऽ रहल ऐछ आ शादी के समय ओ कॉलेज के अंतिम वर्ष मे छल। कॉलेज मे अमरनाथ के एकटा प्रेमिका छल जाहिके किरदार निभेने अछि अभिनेत्री इशानी।

अमरनाथ के मां बीमार छल आ मां के इच्छा सं मजबूर भऽ के ओकरा माधवी सं विवाह करय पड़ल। बियाहक चतुर्थी सं पहिले ओकर मां के मृत्यु भऽ जाइत अछि जाहि कारण अमरनाथ घर वापस आबि जाइत अछि।

मेडिकल छात्र अमरनाथ चतुर्थी के रीति रिवाज नै मानलक, पति के मान रखबाक लेल माधवी ओकरा सम्पर्क मे एलि आ ओ गर्भवती भऽ गेली। 
निरसू झा के किरदार निभेनिहार ठाकुर यदुनाथ चौधरी, छवि - फिल्मबिबो
अमरनाथ मां के अंत्येष्टि आ क्रियाकर्म के बाद  सासुर आपस नै आयल। किछे दिन बाद राजपुर के लोग माधवी के चरित्र पर संदेह करय लागल छल, लोगक मोन मे इ बात छल जे चतुर्थी सं पहिले अमरनाथ घर वापस जा चुकल छल तऽ माधवी गर्भवती कोना भेल ? लोगक ताना सं व्यथित भऽ के माधवी पति के खोज मे निकैल पड़ली। बड़ मशक्कत के बाद माधवी के अमरनाथ भेटल मुदा ओ अपन प्रेमिका के संग प्रेमालाप मे व्यस्त छल।

माधवी पति सं अपन अधिकार मांगलि तऽ उल्टे अमरनाथ ओकर चरित्र पर सवाल उठाबय लागल, इ देख क माधवी पर जेना पहाड़ टूइट गेल होय।

चूंकि माधवी शिवदात्री पुत्री छलीह ताहिलेल अपन पुत्री के साथ अन्याय देखि ‛बाबा बैद्यनाथ’ क्रोधित भऽ जाइत छथिन आ अमरनाथ के सजा दैत छथिन,  जाहिके परिणामस्वरूप ओकर एक्सीडेंट भ जाइत अछि जाहिमे ओकर आंखिक रौशनी चैल जाइत अछि। अमरनाथ'क अस्पताल मे इलाज चैल रहल होइत अछि अहि दौरान माधवी ओकरा पास पहुंचैत अछि, ओ अपन परिचय नर्स के रूप मे दैत अछि आ पति के खूब सेवा करैत अछि जहिसे अमरनाथ ओकरा प्रेम करय लागैत अछि। तमाम कोशिशक बावजूद अमरनाथ के आंखिक रौशनी आपस नै आबैत अछि।

माधवी अमरनाथ के बाबा बैद्यनाथ के शरण मे जेबाक लेल कहैत अछि, कष्ट के झेलैत ओकरा अपना संगे देवघर स्थित बाबा बैद्यनाथ धाम लऽ जाइत अछि। माधवी के पतिव्रत धर्म आ भक्ति सं प्रसन्न भ के ‛बाबा बैद्यनाथ’ अमरनाथ के आंखिक रौशनी वापस क दैत छथिन फेर माधवी आ अमरनाथ सप्रेम दाम्पत्य जीवन जिबय लागैत अछि। 

मैथिली संस्कृति, धर्म, व्यवस्था, परंपरा के पर्दा उतारय बला मैथिली भाषाक दोसर प्रदर्शित फ़िल्म के एकोटा प्रिंट आब उपलब्ध नै अछि।

4 सित॰ 2021

Entertainment

Maithili Film List - Maithili Movie Name - मैथिली फिल्म सूची

मिथिला धरोहर
Maithili Movie List - Maithili Cinema List - Maithili Film Name -  मैथिली फिल्म लिस्ट - मैथिली सिनेमा नाम
मैथिली फिल्म नामप्रदर्शित साल
1. कन्यादान
1971
1979
3. ममता गाबय गीत 1982
4. इजोत1997
5. सस्ता जिनगी महग सेनुर1999
6. आऊ पिया हमर नगरी2000
7. सपना भेल सुहाग2001
8. ममता2001
9. सेनुरक लाज2004
10. कखन हरब दुख मोर2005
11. दुलरुआ बाबु2005
12. गरीबक बेटी2006
13. खगरिया वाली भौजी2007
14. सुहागिन2008
15. सिंदूरदान2008
16. काजर2008
17. लक्ष्मी ऐलखिन हमर अंगना2009
18. पिया संग प्रीत कोना हम करबै2010
19. अंग पुत्र2010
20. मायक कर्ज2010
21. सेनुरिया2011
22. माई के ममता2011
23. प्रित के बाजी2011
24. मुखिया जी2011
25. सजना के अंगना में सोलह सिंगार   2011
26. पिरितया2011
27. हम नय जायब पिया के गाम
28. अंहा छि हमरा लेल
29. चट मंगनी पट्ट भेल बियाह2012
30. एक चुटकी सिन्दुर2012
31. साजन अहां बिना 2012
32. खुरलुच्ची2013
33. छूटत नहिं प्रेमक रंग2013
34. हमर सौतिन 2013
35. मिथिला क योद्धा2014
36. डमरु उस्ताद2014
37. प्रेम प्रतिज्ञा 2014
38. हाफ मॉडर    3/10/2014
39. घोघमें चान्द14/2/2014
40. हीरो-तोहर दिवाना27/6/2014
41. बिकल दुल्हा मौगी के गुलाम10/2014
42. मीत हमर जनम जनम के11/2014
43. रमौलवाली11/2014
44. जेहने साउस तेहने पुतौह  
45. प्रेमक बसात2018
46. राज्जा रानी2018
47. लागल प्रीत अहाँ सं20/04/2018
48. लव यू दुल्हिन18/10/2019
49. गामक घर (लघु फिल्म)2019
50. ललका पाग7/2020
51. दूल्हा चोर21/3/2020
52. मिथिला मखान2/10/2020
53. मैथिली8/4/2022
54. समानांतर2021
55. बबितिया2022
56. धुइन10/2/2023
57. जैक्सन हॉल्ट5/5/2023
58. मिलनमार्च 2024
59. राजा सलहेस मार्च 2024
60. विद्यापतिकमिंग सून...
61. 
62. 
63.  
टॉप 10 मैथिली फिल्मक नाम - Top 10 Most Popular Maithili Movies 

30 जन॰ 2021

Entertainment

मैथिली फिल्म 'मैथिली' 2022

मिथिला धरोहर
निर्माता सन्तोष झा आ निर्देशक शशि पाठक के मैथिली फिल्म जकर नाम "मैथिली" (Maithili Film 'Maithili' ) अछि अइ फ़िल्मक शूटिंग सम्पन्न भ गेल अछि। अइ फ़िल्म में कलाकार के चयन सेहो बहुत नीक अइ, अहि फिल्म मे "सस्ता जिनगी महग सिनुर" के प्रशिद्ध कलाकार ललितेश झा के फेर सं अभिनय करैत देखबैन। अहि फिल्म मे राजीव सिंह सेहो अहम भूमिका में नज़र ऐता अइ फ़िल्म में महाभारत सीरियल के युधिष्ठिर गजेंद्र चौहान जी, सलिल सुधाकर, नीरज भारद्वाज, मोना राय, रीना रानी, कशिश दुग्गल, राजीव सिंह, पंकज ठाकुर आदि के भूमिका अति मुख्य अछि।

इहो जरूर पढ़ब :-



अहि फिल्म में अभिनेत्री के रूप मे अम्बिका सिंह वाणी छैथ। अहि फिल्म के बाल कलाकार आकांक्षा झा के भूमिका सराहनीय अछि। ओतय विकास झा , संजीव पूनम मिश्रा अपन मधुर गीत सं फिल्म के और बेसी प्रिय बनेबाक काज केलथि हं। अहि फिल्म के शूटिंग मुंबई , उत्तर प्रदेश के प्रयागराज , पटना, दरभंगा, कुशेश्वरस्थान, समस्तीपुर, मधुबनी आदि जगह पर भेल ऐछ। फिल्मक कहानी बेटी बचाओ - बेटी पढ़ाओ, दहेज प्रथा, बाल विवाह संग सामाजिक कुप्रथा के विरुद्ध अछि।

8 जुल॰ 2020

Entertainment

अहि दिन रिलीज होयत मैथिली सुप्रसिद्ध फिल्म ललका पाग

मिथिला धरोहर
मैथिलीक कालजयी लेखक राजकमल चौधरीक कथा पर आधारित मैथिलीक फीचर फिल्म ललका पाग ( Maithili Film Lalka Laag ) आब आबि रहल अछि यूट्यूब केर प्रीमियम प्लेटफार्म पर । ई मैथिलीक एकटा एहेन फिल्म अछि जकरा देखि अहाँकेँ अप्पन भाषाक सिनेमा प्रति गौरवबोध होयत । कैकटा राष्ट्रीय आ अन्तरराष्ट्रीय फिल्म फेस्टिवल मे प्रदर्शित ई फिल्म मल्टीप्लेक्स मे प्रदर्शित पहिल मैथिली फिल्म थिक... दुर्भाग्य ई जे विभिन्न कारण सँ मिथिला मे एखनधरि प्रदर्शित नहि भ' सकल छल, मुदा आब प्रतीक्षाक घड़ी समाप्त भ' रहल अछि ।
अपने सभ जानि रहल छी जे कोरोनाप्रलयक स्थिति सँ आब सिनेमाघर सभ सेहो बन्द अछि आ वालीवुडक फिल्म सेहो विकल्प तकैत डिजिटल माध्यमे रिलीज भ' रहल अछि ।


इहो जरूर पढ़ब :-



एहि सभकेँ ध्यान मे रखैत बहुप्रतीक्षित फिल्म ललका पाग आगामी 7 अगस्तकेँ (2020) डिजीटल प्लेटफार्म यू ट्यूब पर रिलीज भ' रहल अछि जकरा देखबा आ मैथिली सिनेमाकेँ प्रोत्साहित करबा लेल अपनेँ सभकें एकटा न्यूनतम शुल्क सहयोग करय पड़त जे सूचना शीघ्र भेटत । तँ आउ मिथिलाक सिनेमा संस्कृति केँ स्थापित करबाक लेल देखी ललका पाग...
फिल्मक कथा राजकमल चौधरीक आ संवाद प्रसिद्ध रंगनिर्देशक कुणाल जीक छनि । निर्माता गुजरातक एकटा युवा व्यवसायी रत्नेश एन शाह आ निर्देशक छथि प्रशान्त नागेन्द्र । कुणाल आ हृदय नारायण झाक गीत सभ सीताराम सिंहक संगीतमे कर्णप्रिय अछि । रौशन राज, श्वेता वर्मा, मीना गौतम, प्रेमलता मिश्र प्रेम,उमाकान्त आदिक जीवन्त अभिनय सँ सजल ई फिल्म अवश्य देखी...

4 नव॰ 2018

Entertainment

Maithili Film Premak Basat : Review - मैथिली फिल्म "प्रेमक बसात" पर दर्शकीय प्रतिक्रियाक संग समीक्षा

मिथिला धरोहर
Maithili Cinema Premak Basat film Review

प्रेम आदि काल सँ शाश्वत आ अनश्वर रहल अछि। प्रेमक बिनु आदर्श समाजक कल्पना नहिं कएल जा सकैत अछि। प्रेम एकटा सुखद अनुभूति थीक। सैद्धांतिक रूप सँ त' हमरा लोकनि ई सभटा मानि लै छी। प्रेमक आन सब स्वरूप हमरा लोकनि स्वीकारि लै छी। जखने प्रेमी प्रेमिकाक प्रेम सोझाँ आयल त' हम सभ नहिंं जानि किएक खलनायक बनि जाइ छी? प्रेम विवाहक चर्चा होइते मूँह टेढ़ होमय लगैत अछि। ई प्रेम विवाह यदि अन्तर्जातीय वा अन्तर्सामुदायिक भेल तखन त' समाज मे अगराही लागब निश्चिते मानू। एहन मे औनर किलिंग तक भ' जाइत अछि।एहन संकटक स्थिति मे रूपक शरर जीक "प्रेमक बसात" सिहकेबाक प्रयास सर्वथा प्रशंसनीय छनि। हम हुनक समस्त टीम केँ सैल्यूट करै छी।
दमगर कथा वस्तु, सरल संवाद, वास्तविक आ मजगूत अभिनय, सधल कलाकार, अत्याधुनिक तकनीकि,हृदयस्पर्शी गीत,कर्णप्रिय संगीत, नव आ सफल प्रयोगक अतिरिक्त श्रम आ साधनायुक्त निर्देशन सँ बनल ई फिल्म मैथिली फिल्मक लेल टर्निंग प्वाइंट साबित भ' सकैत अछि। अपन धमकक आभास करेबाक संगहि दर्शकक मोन पर छाप छोड़ैत अछि। एहि सभ सँ अतिरिक्त फिल्मक अन्तर्गत अन्तर्सामुदायिक प्रेम कथा आ ओहि प्रेमक परिणति, हिन्दू लड़काक विवाह मुस्लिम लड़की सँ होइत देखाओ गेल अछि। नायक आ नायिका केँ अपन प्रेमक आदर्श स्थापित करबाक क्रम मे जे संकटक सामना करय पड़लै, सैह सब एहि मे दर्शाओल गेल अछि।

इहो जरूर पढ़ब :- 

ई फिल्म प्रेम आ भाइचाराक संदेश दैत अछि। एकरा संगहि कतेको कुरीति पर चोट सेहो करैत अछि। विदेशक धरती पर रिलीज पहिल मैथिली फिल्म बनबाक सौभाग्य एकरा भेटल छै। ई सिनेमा समाज मे प्रेमपूर्ण वातावरण बनेबाक संग आदर्श समाज बनेबा मे सफल बुझि पड़ैत अछि।
एकटा नीक आ सफल फिल्मक जतेक मशाला होइत छैक करीब करीब सभटा मशाला एहि मे समाविष्ट करबाक सफल प्रयास भेल अछि। गैर मैथिल सँ मैथिली मे काज करयबा सन  चुनौतीपूर्ण काजक लेल एक बेर फेर पूरा टीमक प्रशंसा करहि पड़त। मैथिली मे पहिल सूफी गीत सुनबा मे सेहो आनंद आबि गेल। सिनेमाक सर्वाधिक सबल पक्ष अछि एकर गीत संगीत, जे फुल इन्टरटेनमेंट करैत अछि।

इहो पढ़ब:-

ओना एखन दुर्बल पक्ष पर गप करबाक बेर नहिंं छै किन्तु ईहो करब आवश्यक एहि लेल जे आगू और बेसी गुणवत्तापूर्ण सिनेमा बनबाक मार्ग प्रशस्त भ' सकय।
पहिल बात जे अपन भाषाक फिल्म मे आन भाषाक प्रयोग किछु बेसी बुझि पड़ल। दृश्यक मांगक अनुरूप ओकरा कम सँ कम कएल जा सकै छल। दोसर बात जे किछु पुरान आ नीक मैथिली भाषी कलाकार ईमोशनल दृश्य केँ और मार्मिक बना सकै छलथिन।

एखन एतबे, शेष स्वयं देखि क' बुझि जेबै। कुल मिला क' नजदीकी सिनेमाघर मे जा' प्रेमक बसात लगेबा मे कोनो हर्ज नहिंं छै। माँ मैथिलीक लाज रखबाक लेल ई सिनेमा जरूर देखियौ से आग्रह।
विद्यापति पर्व समीप अछि। मैथिलीक लेल बड काज होयत, ओही क्रम मे प्रेमक बसातकेँ सभ क्यो बबंडर मे बदलि दियौ ताकि निर्माता लोकनि मैथिली फिल्मक धर्रोहि लगेबाक नियार करथि आ सभ सिनेमाघरक आगू हाउस फुल वला बोर्ड लागि जाइ।

जल्दी देखू आ सपरिवार, दोस महीम सभक संग देखू। एक बेर देखब त' बेर बेर देखबाक मोन हेबे करत। बेसी सोचू नहिंं एखने बिदा भ' जाउ। एसगर नहिंं जाउ , सिनेमा देखबाक मजा संगसोर मे छै...

साभार - अखिलेश कुमार झा
🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »
Ask संगी
संगी मिथिला धरोहर सहायक
चैट हिस्ट्री

अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।

हमारे बारे में
🏛️ हमरा बारे में
मिथिला धरोहर — मैथिली भाषा, संस्कृति, लोकगीत, पंचांग, भजन और साहित्य केँ समर्पित एकटा डिजिटल मंच अछि। हमर लक्ष्य अछि मिथिला केँ पुरान परंपरा आ ज्ञान केँ आधुनिक पीढ़ी तक पहुँचाएब। चैटबॉट संगी अहाँक हर सवालक जवाब देबाक लेल सदैव तत्पर अछि। संस्थापक: प्रभाकर मिश्रा
संपर्क करें
मिथिला धरोहर के "संगी" चैटबोट सं चैट कोना करब?
संगी सं सबाल करबाक दु टा तरीका अछि, पहिल टाइप (लिख) के आ दोसर बाजि के। बाजि क सबाल पूछबा लेल अहाँके दांया कात माइक बला बटन पर क्लिक करय पड़त। पहिल बेरा माइक बटन दबेला पर परमिशन मांगत, अनुमति देलाक उपरांत अहाँ बाजि क सबाल पूछी सकय छी।
🔍 शर्च में की लिखी

पंचांग/तिथि खोजी रहल छी त:
जेना, "मैथिली पंचाग 2027" खोजी रहल छी त अहाँ लिखू —
मैथिली पंचाग 2027

मंत्र खोजी रहल छी त:
कुनो पाबनि या विधि के नाम के संग "मंत्र" लिखू, जेना —
चौरचन पूजा मंत्र तर्पण मंत्र जनेऊ मंत्र

गीतक संग्रह खोजी रहल छी त:
भगवती गीत लिरिक्स नचारी गीत लिरिक्स विवाह गीत मधुश्रावणी गीत

कुनो विशेष गीत खोजी रहल छी त:
ओहि गीतक बोल के 5-6 शब्द लिखू, जेना —
जगदम्ब अहिं अबलम्ब हमर छोट छोट रोड़ी गरैया सिर के सिंदूर रे गवानवा सबहक सुधि अहाँ लै छी

कहानी खोजी रहल छी त:
गोनू झा के कहानी लेल लिखू —
गोनू झा कहानी

कथा खोजी रहल छी त:
मधुश्रावणी पूजा के सम्पूर्ण कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पूजा कथा
कुनो विशेष दिन कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पहिल दिन कथा मधुश्रावणी पांचम दिन कथा

मंदिर खोजी रहल छी त:
श्याम मंदिर दरभंगा उच्चैठ भगवती उग्रतारा मंदिर

नमस्कार! हमर नाम 'संगी' छी, हम अहाँक कोना मदद करब?
कोना search करू? ताहि लेल एतय क्लिक करू