...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌺🌸
✨ मधुश्रावणी
मधुश्रावणी व्रत कथा संग्रह पूजा बिधि विधान सहित
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
​🎉 अहाँक लेल आबि गेल अछि 'संगी'! मिथिला धरोहरक नव स्मार्ट असिस्टेंट 'संगी' सँ भेंट करू। आब पंचांग, पावनि-तिहार, विवाह गीत वा गोनू झाक कथा खोजब भेल आओर सुगम। नीचाँ देल (दांया कात) चैट बटन पर क्लिक करू आ 'संगी' सँ तुरन्त गप्प करू!

1 जन॰ 2019

सिंगर विकाश झा के मिथिलाक सुपरस्टार बनबाक कहानी

मिथिला धरोहर : मूलतः मधुबनी जिला अंतर्गत बेनीपट्टी अनुमंडल केँ सिमरी ( Benipatti, Simri ) (भोजपरौल) गामक निवासी मिथिलाक सुप्रसिद्ध गायक विकाश झा के मिथिलांचल केर बूढ़, जुआन बच्चा मने सभ वर्गक लोक हिनक आवाज के प्रशंसक छथि।
विकाश झा 1994 ई॰ में दिल्ली आबि गेलैथ नोकरी चाकरी स’ समय भेटैन त’ स्टेज सब पर गीत सेहो गबैत छलैथ। किछु दिनक बाद हिनक विवाह भ गेलनि, हिनकर पत्नी के संगीत में बेसी अभिरुचि देखेलनी आ ओ हिनका एहि क्षेत्र में प्रोफेशनल बनि उतरबाक आग्रह केलनि आ संगे-संग हिनका वास्ते गीत सब सेहो लिखय लगली, तें गीतकारक रूप में “रानी विकास” के नाम स’ सेहो देखने हेबनि । 

जहन ई ठनला जे व्यावसायिक रूपे गायकी के अपनाबी त’ हिनका चांस सेहो खूब भेटय लगलनि आ ओही क्रम में 1997 ईo मैथिली के चर्चित गायक मिथिलारत्न कुंजबिहारी मिश्र जीक संपर्क में एला आ हिनका संगे कतौ कतौ प्रोग्राम सब में ल’ जाए आबय लगला।

इहो पढ़ब:-

हिनकर पहिल एलबम 1999 में  आयल परदेशी भ’ गेलौं” नाम स जे नीलम कैसेट स’ रिकॉड भेल छल। बाद में बनारस घरानाक चंद्रभाल मिश्रा जी, मिथिलेश सिंह जी आदि गुरु सभ स सेहो सिखबाक अवसर भेटलनि

एक दिना विकाश जी मैथिली गीतक रेकोर्डिंग करैत रहथी त’ एक गोट हरियाणवी फिल्मक निर्देशक दिनेश कौशिक कें हिनका आवाज में उदित नारायण जीक झलक बुझेलनि आ हिनका ऑफर केलनि आ फिल्म “दुश्मनी की आग” में गीत गेबाक अवसर देलनि तकरा बाद हरियाणवी फिल्म-बारह बीघा ज़मीन, गोली, पगड़ी आदि मे सेहो गेबाक अवसर भेटलनि । 
ओही क्रम में हिन्दी फिल्म आ विज्ञापन जगत स जुड़ल किछु निर्माता लोकनि संपर्क में एला आ अवसर देलनि जेना कि हिनकर गाओल जिंगल-सोनालिका ट्रेक्टर वास्ते , भारत सरकार द्वारा अल्पसंख्यक आयोग वास्ते , केन्द्रीय भंडारण निगम वास्ते , शिक्षा मंत्रालय वास्ते, जल संसाधन मंत्रालय वास्ते, स्वरोजगार योजना वास्ते, इंडियन ऑयल वास्ते , दूरदर्शन पर प्रसारित सीरियल “कोंपल” के टाइटल सॉन्ग , ज़ी टीवी पर प्रसारित होमय बला सीरियल “हम लेंगे जनम दोबारा” के टाइटल सॉन्ग, हिन्दी फिल्म “लव इन टेंशन” में बतौर संगीत निर्देशक आ गायक आदि के रूप में अवसर भेटलनि।
आइ विकाश झा मैथिलि गीत संगीतक क्षेत्र कऽ चर्चित चेहरा छथि संगे-संग भोजपुरी, नेपाली, हिंदी संगे न भाखामे दर्जनों एलबम गाबी चुकल छथि। विकाश झा एखन धरि सौतिनक बेटी, हाफ मर्डर, सेनुरक मोल अनमोल, प्रेम प्रतिज्ञा, राधा संग मोहन, सजन घर जेबै कोना आदि मैथिली फिल्मक वास्ते अपन स्वर दऽ चुकल छैथ।

इहो पढ़ब:-

फ़िल्म में अभिनय करबाक बात करी त भोजपुरी फ़िल्म पैसा नाच नचबेला , मैथिली फ़िल्म 'मीत हमर जन्म जन्म के' आ आ 'लव यू दुलहिन' आ 'मैथिली' में अभिनेताक किरदारक निभा चुकल छथि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »
Ask संगी
संगी मिथिला धरोहर सहायक
चैट हिस्ट्री

अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।

हमारे बारे में
🏛️ हमरा बारे में
मिथिला धरोहर — मैथिली भाषा, संस्कृति, लोकगीत, पंचांग, भजन और साहित्य केँ समर्पित एकटा डिजिटल मंच अछि। हमर लक्ष्य अछि मिथिला केँ पुरान परंपरा आ ज्ञान केँ आधुनिक पीढ़ी तक पहुँचाएब। चैटबॉट संगी अहाँक हर सवालक जवाब देबाक लेल सदैव तत्पर अछि। संस्थापक: प्रभाकर मिश्रा
संपर्क करें
मिथिला धरोहर के "संगी" चैटबोट सं चैट कोना करब?
संगी सं सबाल करबाक दु टा तरीका अछि, पहिल टाइप (लिख) के आ दोसर बाजि के। बाजि क सबाल पूछबा लेल अहाँके दांया कात माइक बला बटन पर क्लिक करय पड़त। पहिल बेरा माइक बटन दबेला पर परमिशन मांगत, अनुमति देलाक उपरांत अहाँ बाजि क सबाल पूछी सकय छी।
🔍 शर्च में की लिखी

पंचांग/तिथि खोजी रहल छी त:
जेना, "मैथिली पंचाग 2027" खोजी रहल छी त अहाँ लिखू —
मैथिली पंचाग 2027

मंत्र खोजी रहल छी त:
कुनो पाबनि या विधि के नाम के संग "मंत्र" लिखू, जेना —
चौरचन पूजा मंत्र तर्पण मंत्र जनेऊ मंत्र

गीतक संग्रह खोजी रहल छी त:
भगवती गीत लिरिक्स नचारी गीत लिरिक्स विवाह गीत मधुश्रावणी गीत

कुनो विशेष गीत खोजी रहल छी त:
ओहि गीतक बोल के 5-6 शब्द लिखू, जेना —
जगदम्ब अहिं अबलम्ब हमर छोट छोट रोड़ी गरैया सिर के सिंदूर रे गवानवा सबहक सुधि अहाँ लै छी

कहानी खोजी रहल छी त:
गोनू झा के कहानी लेल लिखू —
गोनू झा कहानी

कथा खोजी रहल छी त:
मधुश्रावणी पूजा के सम्पूर्ण कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पूजा कथा
कुनो विशेष दिन कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पहिल दिन कथा मधुश्रावणी पांचम दिन कथा

मंदिर खोजी रहल छी त:
श्याम मंदिर दरभंगा उच्चैठ भगवती उग्रतारा मंदिर

नमस्कार! हमर नाम 'संगी' छी, हम अहाँक कोना मदद करब?
कोना search करू? ताहि लेल एतय क्लिक करू