...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

1 अग॰ 2018

मधुबनीक मंगरौनी मे विराजैत छथि एकादश रुद्र महादेव

मिथिलांचल मे कतेको प्रसिद्ध शिवालय छैक, जाहि मे मंगरौनी स्थित एकादश रूद्र शिव मंदिर के अलगे महत्व छैक ( Ekadash Rudra Mahadev Temple Mangrauni ) । एहि मंदिर मे एक्के गोट वेदी पर ११ गोट शिवलिंग स्थापित अछि। एहेन मान्यता छैक जे एकादश रूद्र केर पूजा-अराधना कएला सँ ग्यारह गुना फल केर प्राप्ति होएत छैक।
मधुबनी जिला अंतर्गत राजनगर प्रखंडक मंगरौनी गाम मे एकादश रुद्र महादेव मंदिर अवस्थित अछि ( Ekadash Rudra Mandir )। वर्ष १९५३ मे प्रसिद्ध तांत्रिक मुनीश्वर झा द्वारा एहि मंदिरक स्थापना कयल गेल।

इहो पढ़ब:-

एतुक एकादश स्वरूप कारी ग्रेनाइट सँ बनल शिव¨लिंग केर चमक दर्शक-आगन्तुक संग भक्त लोकनि केँ अपना दिशि काफी आकर्षित करैत छैक।
इतिहास
साधक-आराधक केर सर्व मनोकामना सिद्ध करनिहार एकादश रुद्र महादेव केर मंदिर मे पहुँचयवला भक्त लोकनि मे जिला, सूबा केर अलावा विदेशहु केर भक्त सब शामिल छथि। बाबा आत्माराम (बाबूबरही निवासी ) केर देखरेख मे कतेको दशक सँ एतय नियमित रूप सँ पूजा-अर्चना होएत आबि रहल अछि। सावन केर प्रत्येक सोमवारी पर एकादश रुद्र केर महाश्रृंगार अनुष्ठान मे बड़ पैघ संख्या मे भक्त समाज हिस्सा लैत छथि। कहल जाएछ जे एतय कांचीपीठ केर शंकराचार्य जयेन्द्र सरस्वती, जगरनाथ पीठाधीश्वर शंकराचार्य निश्चलानंद सरस्वती सेहो पहुंचि चुकला अछि।

इहो पढ़ब:-

कोना पहुंचब एतय
शिवरातिक बाद सावन मे एतय पूजा-अर्चना करबाक लेल एनिहार आस्थावान भक्त-आराधक लोकनिक भारी भीड़ जुटैत अछि। जिला मुख्यालय सँ करीब सात किलोमीटर केर दूरी पर अवस्थित एकादश रुद्र मंदिर जेबाक लेल जिला मुख्यालय सँ सड़क मार्ग मार्फत जा सकैत छी। मंदिर तक पहुंचबाक लेल रिक्शा, ऑटो केर सवारी उपलब्ध अछि। हालांकि एहि सड़क मार्ग देने बस सभक आवाजाही सेहो होएत छैक। राजनगर सहित आसपास केर गामक लोक एतय पैदल चलिकय पहुंचैत छथि।
लेख -मिहिर कुमार झा, "बेला" मधुबनी



1 टिप्पणी:

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »