शनिवार, 7 अगस्त 2021

अभिनेता राहुल सिंहा के मिथिला सं मुंबई घरिक सफर

सहरसा जिलाक न्यू कॉलोनी निवासी राहुल सिंहा ( Actor Rahul Sinha From Saharsa ) छोटका शहर सं निकैल हिंदी, मैथिली, भोजपुरी फिल्म आ टिवी जगत मे अपन एकटा अलग पहचान स्थापित केलथि हन। मध्यम वर्गीय परिवार के महेन्द्र कुमार सिंहा के छोट पुत्र राहुल सिंहा के पढ़ाई सहरसा के कॉलेज आ स्कूल मे भेलनि। अहिके उपरांत पटना इफ्टा सं जुड़ल, बिहार फिल्म टेलीविजन इंस्टीट्यूट सं डिप्लोमा करबाक पश्चात दिल्ली रंगमंच मे राष्ट्रीय-अंर्तराष्ट्रीय निर्देशक बीबी करांत, पीयूष मिश्रा, आलोक चटर्जी, सुरेंद्र शर्मा, अखिलेश खन्ना एहन नाट्य निर्देशक के नेतृत्व मे रंगमंच के क्राफ्ट के सीखलथी।

हिमाचल प्रदेश के मंडी ड्रामा स्कूल सं एक्टिंग मे डिप्लोमा करबाक बाद मुंबई दिस प्रस्थान केलथि। मुंबई जेबाक उपरांत हुनका "कृष्ण अर्जुन" सीरियल मे पहिल बेरा अभिनय करबाक अवशर भेटलनि। जाहिके बाद कखनो पाछु घुइम के नै देखलथि।


इहो पढ़ब - मिथिला के प्रसिद्ध कवि मैथिली पुत्र प्रदीप जी केर हिनक गीत माध्यम सं

आगू "सीआइडी", "क्यों अपने हुए पराये", "काजल", "क्राइम पेट्रोल", "हकीकत", 'क्या कहें", "दूर-दूर", "ची एंड मी", "अजनबी" मे अपन अभिनय के लोहा मनबेलथी। धारावाहिक मे सफलता भेटला पर ओके मूवी के बैनर तर पहिल हिन्दी फिल्म 'दिलनशीं" (2010) मे बतौर मुख्य नायक के भूमिका निभेलथि। "चमकू और सोहर फिल्म मे छोट सन् भूमिका सेहो केने छथि। 


इहो पढ़ब - साउथ फिल्मक टॉप हीरोइन छथि दरभंगा के कावेरी झा

वर्ष 2008 में प्रकाश झा प्रोडक्शन के "बाहुबली" सीरियल मे अहम् भूमिका निभा घर-घर मे पहचान बना लेलथि। बाहुबली मे हिनकर अभिनय के देख मैथिली फिल्म के निर्देशक मुरलीधर हिनका मैथिली फिल्म "सजना के अंगना में सोलह श्रृंगार" ( Sajna Ke Angana Mein Solah Singar ) के लेल चुनलथी। ओतय हिस्ट्री चैनल द्वारा कमल हसन पर बनायल गेल डॉक्यूमेंट्री मे कमल हसन के पिता डी श्रीनिवासन के भूमिका निभेलथि। एकर अलावा कतेको फिल्म आ सीरियल मे अभिनय क चुकल छथि। 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !