शनिवार, 30 जनवरी 2021

मैथिली फिल्म 'मैथिली' 2022

निर्माता सन्तोष झा आ निर्देशक शशि पाठक के मैथिली फिल्म जकर नाम "मैथिली" (Maithili Film 'Maithili' ) अछि अइ फ़िल्मक शूटिंग सम्पन्न भ गेल अछि। अइ फ़िल्म में कलाकार के चयन सेहो बहुत नीक अइ, अहि फिल्म मे "सस्ता जिनगी महग सिनुर" के प्रशिद्ध कलाकार ललितेश झा के फेर सं अभिनय करैत देखबैन। अहि फिल्म मे राजीव सिंह सेहो अहम भूमिका में नज़र ऐता अइ फ़िल्म में महाभारत सीरियल के युधिष्ठिर गजेंद्र चौहान जी, सलिल सुधाकर, नीरज भारद्वाज, मोना राय, रीना रानी, कशिश दुग्गल, राजीव सिंह, पंकज ठाकुर आदि के भूमिका अति मुख्य अछि।

इहो जरूर पढ़ब :-



अहि फिल्म में अभिनेत्री के रूप मे अम्बिका सिंह वाणी छैथ। अहि फिल्म के बाल कलाकार आकांक्षा झा के भूमिका सराहनीय अछि। ओतय विकास झा , संजीव पूनम मिश्रा अपन मधुर गीत सं फिल्म के और बेसी प्रिय बनेबाक काज केलथि हं। अहि फिल्म के शूटिंग मुंबई , उत्तर प्रदेश के प्रयागराज , पटना, दरभंगा, कुशेश्वरस्थान, समस्तीपुर, मधुबनी आदि जगह पर भेल ऐछ। फिल्मक कहानी बेटी बचाओ - बेटी पढ़ाओ, दहेज प्रथा, बाल विवाह संग सामाजिक कुप्रथा के विरुद्ध अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !