शनिवार, 28 नवंबर 2020

ललितेश झा - मैथिली सिनेमाक पहिल सुपर स्टार

मैथिली के अखन धरिक सबसं सुपरहीट फिल्म "ससता जिनगी महग सेनुर" के सुपरस्टार हीरो ललितेश झा जी (कृष्णा भैया) के जन्म 29 दिसम्बर 1960 के भेल छनि। ललितेश जी के ज्यों मैथिली फिल्मक पहिल स्टार ( Lalitesh Jha ) कहल जाय त अहिमे कोनो हर्ज नै। ललितेश जी एहन कलाकार छैथ जे हिन्दी, अंग्रेजी, मैथिली, भोजपुरी, मराठी, गुजराती फिल्म आ धारावाहिक मे खूब काज केने छैथ। 

ललितेश जी एखन धरि पांचटा हिन्दी फ़िल्म में सेहो नीक अभिनय केने छैथ। ललितेश जी द्वारा अभिनित किछु फ़िल्मक नाम अछि - 'योगेश', 'गणेशा माय फ़्रेन्ड', 'शबनम मौसी', 'बन्धु बॉक्सर',  'इन्साफ़ द जस्टिस', 'सरगना' 'दिल साला सनकी' आदि। ललितेश जी  एकटा अंग्रेजी फिल्म 'Where the Truth Lies' में सेहो काज केने छैथ।

मैथिली आ हिन्दी फ़िल्म आ धारावाहिक के अलाबा, ललितेश जी भोजपुरी फ़िल्म उद्योग में सेहो अपन एकटा पहचान बनेने छैथ। हुनकर भोजपुरी के किछु फिल्म के नाम अछि  "लागल चुनरी में दाग", "नाग देवता", "हे तुलसी मैया", "नैहर की चुनरी", "हमार घर हमार संसार", "आम्गन की लक्ष्मी", "माय्या आबाद रखिया सेनुरवा के", "गंगा ज्वाला", "गंगा तोहरे कारण", "दुल्हिनिया लेके जायब हम", "दुल्हन बानी मोर बहिनिया", "लाल चुनरिया बाली",  "होके तु रहबू हमार" आदि।


इहो पढु - अहि दरभंगा सपूत के हस्ताक्षर अंकित अछि भारत'क मूल संविधान पर


ललितेश जी एखन धरि एकटा मराठी फ़िल्म "नाग देवता" में सेहो अभिनय केने छैथ। ललितेश जीक किछ रास गुजराती फिल्म में सेहो अभिनय केने छैथ जाहिमें "मारी जायनु मामेरु", "चुनरीनी लाज", "मारा देश नी धरती" आ "समाज ना छोड़ू" महत्वपूर्ण नाम अछि। 

ललितेश जी रजनीगंधा पान मसाला, रिजर्व बैंक  ऑफ़ ईंडिया आ किचन किंगक के विज्ञापन सेहो केने छैथ।
ललितेश जी किछ टीवी धारावाहिक में काज केलैथ जे चर्चित रहल जेना "मंजिल के रास्ते", "इनतकाम",  बेटी है वरदान", "जाल", "त्याग", "सुहाग", "सुख दुख", "सिंघासन", "एक और कुरुक्षेत्र",  "बसेरा", "अपनापन", "अपने अपने सुरजमुखी",  "खोज", "इन्साफ़", "कहीं दिया जले कहीं जिया", "सबका मालिक एक है", "अर्धांगिनी", "आहट", "तितलियां", "ओ डार्लिंग ये है इंडिया", "घर पहुंचा द देबी मैया", "थोड़ी सी जमीन थोड़ा आसमान" आदि प्रमुख अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !