शनिवार, 26 अप्रैल 2014

Maithili Movie: ”Hero Tohar Deewana” Releasing on next month of may

मनोरंजन M.D. : धराधर बनैत मैथिलि फ़िल्म आ एही में नव कलाकारक रूचि सँ आब मैथिलि फ़िल्मक दिन सुदिन नजर आबि रहल अछि। एही क्रम में मैथिलि फ़िल्मक दीवाना लेल एकटा फिल्म आबि रहल अछि '' हीरो तोहर दीवाना"

एस.सी.वि. प्रोडक्शनक बैनरके अधीन बनल  ''हीरो तोहर दीवाना" मिथिलावासी दर्शक के दीवाना बनावै लेल फ़िल्म में चहटगर गीत, मधुर संगीत, हंसी मजाक, एक्शनसं भरपूर फ़िल्म  अछि। फ़िल्मक निर्माता छैथ देव राज झा। निर्देशक अजित मेहता द्वारा निर्देशित एहि फ़िल्मक कथा पटकथा लिखने छथि विक्की देव प्रदीप । फ़िल्मक में मुख्य कलाकार छैथ -देव राज झा, माधव राय, विक्की चौधरी, स्वेता वर्मा, आरती गुप्ता, जन्नत, नवीन चौधरी, रामसेवक ठाकुर, उषा पासवान, इरसाद आदि। गायक - पवन नारायण, माधव राय।
फ़िल्मक कथा :-
फ़िल्मक कथा दिनटा दोस्त पर आधरित अछि, जे तीनो अलग-अलग बैकग्राउंड सँ रहैत अछि। जही में एकटा पुलिस इंस्पेक्टर, दोसर कॉलेज स्टूडेंट आ तेसर किसान अछि। निमन गीत संगीत, कॉमेडी, प्रभावी अभिनय सवटा देखैत ई फ़िल्म निश्चित रुप सँ मिथिलाक दर्शक के दीवाना बनाओत। मिथिला धरोहर:  मैथिलि फ़िल्मक अपार सफ़लताकए लेल शुभकामना दैत मिथिला, मैथिलि प्रेमी सँ आग्रह जे ओ ई फ़िल्म अवश्य देखैथ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !