अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
5 अक्टू॰ 2022
Kojagara Date 2026 - कोजगरा तिथि 2026
आशिनक पूर्णिमा यानी शरद पूर्णिमा मिथिलाक लेल खास अछि। अहि दिन विशेष पावैन कोजगरा मनायल जाइत अछि। चांदनी इजोरिया राइत मे नवविवाहिता एतय उल्लासके माहौल रहत। लोग सब के मखाना आ पान बांटबाक साथे पारंपरिक आयोजन सेहो होइत अछि। मिथिलाक लोक संस्कृति मे इ परंपरा बहुत पहिले सँ चली रहल अछि।
मिथिला पंचांग अनुसार कोजागरा पूजा 2026 में शनिदिन, 25 अक्टूबर 2026 के ऐछ।
Kojagara Puja Date 2026 | Monday, 25 October 2026
बर'क सासुर सँ जेखन सबटा भाड़ - दौड़ आबि जाइत अछि तखन गांव - समाज के न्योतल जाइत अछि। बर'क सासुर सँ आयल कपड़ा लत्ता बर के पहिरायल जाइत अछि। घर के महिला आंगन मे अष्टदल कमलक अरिपन बनाबय छथि। अहि पर चुमाओनक डाला राखी बर के चुमाओनक विधि पूरा कैल जाइत अछि। ओहि समय पांचटा ब्राह्मण दूर्वाक्षत द के आशीर्वाद दैइत छथि।
इहो पढ़ब :-
ओना त मिथिला मे बियाहक अवसर पर डाला सजाये क चुमाओन कैल जाइत अछि, मुदा कोजगरा के डाला प्रसिद्ध अछि। अहि अवसर पर लगभग पांच सँ छः फुट व्यास बला बांस सँ बनल डाला पर धान, मखान, पांचटा नारियल, पांच हत्था केरा, छाछ, पान'क ढोली, मखानक माला, जनेऊ, सुपारी, इलायची और अड़ांची सं सजल कलात्मक वृक्ष, पांच प्रकार के मिठाई के थारी, छाता, छड़ी आ वस्त्र सहित अन्य सामग्रि के सजावट देखते बनैत अछि। अहि डाला सँ बर के चुमाओन करबाक परंपरा अछि। बड़का डाला रहला सँ एकरा १०-१० के संख्या तक महिला उठा क चुमाओन के विधि संपन्न करैत छथि।
Tags
Mithila Festival
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2023/04/kusumit-kanan-kunj-basi-re-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2023/04/sutal-chaliye-baba-ke-bhawanwa-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Mithila Festival
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)



कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !