शनिवार, 27 दिसंबर 2014

आउ, आइ एक नव शुरुआत करी।

२८ दिसम्बर यानि काल्हि संध्या ५ बजे सँ 'दहेज मुक्त मिथिला - मुंबई' द्वारा विशाल 'मिथिला उत्सव' केर आयोजन दहिसर, मुंबई मे कैल जा रहल अछि। विभिन्न ठाम सँ सज्जनवृंद आ सुसंस्कारी व्यक्तित्व सब पहुँचि रहल छथि। जानकारी भेटल अनुसार प्रथम सत्र मे उद्घाटनक संग 'दहेज मुक्त मिथिला' मुहिम केर परिचय आ दृष्टिकोण सहित कार्यप्रणाली पर जनसभाकेँ संबोधन कैल जायत। संगहि मुंबई मे जाहि सक्रियता सँ सब कियो जागृति पाबि रहल छथि, दहेज मुक्त विवाह लेल आगाँ आबि रहल छथि, तेहने धूम समूचा भारत तक जाय आ सब मैथिल एहि सँ लाभान्वित होइथ, सुन्दर मिथिला समाज केर निर्माण करैथ, ई विचार-गोष्ठी द्वारा चिन्तन कैल जायत। एकर अतिरिक्त दहेज मुक्त कुटमैती निर्धारण मे संस्थाक कोनो भूमिका नहियो रहला पर जँ सहयोग सबहक भेटत तँ 'वैवाहिक परिचय सभा' केर आयोजन जरुरी अछि। संभव हो तऽ एक रजिस्टर मे एहि लेल उपस्थित सज्जन लोकनिक नाम, नंबर आ पताक संग विवाह योग्य युवक आ युवतीक संख्या टा लिखबैत संकलन कैल जायत। पुन: बाद मे संपर्क करैत समयोचित व्यवस्था सँ परिचय सभा केर आयोजन आ सामूहिक विवाह केर सेहो आयोजन संस्था द्वारा कैल जयबाक नियार अछि। तदोपरान्त दोसर सत्र मे मैथिली गीत-संगीत केर आयोजन, मिथिलाक सुप्रसिद्ध कलाकार-गायक लोकनि द्वारा कैल जायत से जानकारी भेटल अछि।
(Report : प्रवीण नारायण चौधरी)

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !