
13 अक्टूवर केँ रिलीज भेल फिल्म "मीत हमर जनम-जनम के" सँ मैथिलि सिंगर विकाश झा अप्पन हीरो बनबाक सपना पूरा केलैथ, जहीमें बॉलीवुडक नामी सिंगर 'सोनू निगम' पहिल बेरा मैथिलि गीत गेलैथ। 3 अक्टूवर केँ सत्य घटना (मधुबनी पि.पि. कांड) पर आधारित फिल्म "हाफ मॉडर" सेहो रिलीज भेल जही में बॉलीवुडक मसहुर गायक 'सान' आ 'कविता कृष्ण मूर्ति' केँ गायल गीत सुनै लेल भेटल। अक्तुबर, 2014 मे मैथिली फिल्म "बिकल दुल्हा मौगी के गुलाम" केर प्रदर्शन सेहो भेल।
इहो जरूर पढ़ब :-
16 नवम्बर 2014 के प्रदर्शन भेल फिल्म "रमौलवाली" के । किछ रास ऑउर मैथिलि फिल्म सहो आयल जहीमें "प्रेम प्रतिज्ञा", "मिथिला के इज्ज़त", "ढहलेल", "जान", "टाइमपास" प्रमुख अछि। एकटा समेलन में भोजपुरी केँ गायक सह अभिनेता मनोज तिवारी कहलैथ जे ओं अगिला बरख (2015) में मैथिलि भाखा में ओं एकटा हिट फिल्म देथिन। अक्टूवर, 2014 केँ समस्तीपुर मे मैथिलि फिल्म निर्माण कंपनी 'आनंद फिल्म प्रोडक्शन हाउस' केँ सेहो शुभ आरंभ भेल।
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !