...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌺🌸
✨ मधुश्रावणी
मधुश्रावणी व्रत कथा संग्रह पूजा बिधि विधान सहित
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
​🎉 अहाँक लेल आबि गेल अछि 'संगी'! मिथिला धरोहरक नव स्मार्ट असिस्टेंट 'संगी' सँ भेंट करू। आब पंचांग, पावनि-तिहार, विवाह गीत वा गोनू झाक कथा खोजब भेल आओर सुगम। नीचाँ देल (दांया कात) चैट बटन पर क्लिक करू आ 'संगी' सँ तुरन्त गप्प करू!

19 मार्च 2021

मैथिली साहित्यकार कमलकांत झा - Writer Kamalkant Jha

साल 2020 के मैथिली भाषा मे साहित्य अकादमी पुरस्कार के लेल वरिष्ठ साहित्यकार डॉ. कमलकांत झा ( Litterateur Kamalkant Jha, Madhubani ) के नाम के घोषणा भेलनि अछि। इ पुरस्कार हुनका लघु कथा 'गाछ रुसल अछि' के लेल प्रदान कैल गेलनि हन। अहि रचना मे पर्यावरण के शुद्ध रखबाक लेल पेड़-पौधा के महत्व के दर्शायल गेल अछि। मधुबनी के कलुआही प्रखंड स्थित हरिपुर डीह टोल मे 29 मार्च 1943 के जन्म भेल डॉ. कमलकांत झा मैथिली के संगे हिंदी लेखन के क्षेत्र मे सेहो काज केने छथि। पिता पं. वीरेश्वर झा आ माता तारा देवी बचपने मे हिनकर संग छोइड़ देने छलखिन। अहि कारण हिनकर प्रारंभिक शिक्षा नानीगाम लोहा गांव मे भेलनि। 


इहो पढ़ब:- 

कमलकांत झा जी 1962 सं लेखन के यात्रा प्रारंभ केलथि। हिनकर पहिल पुस्तक मैथिली नाटक 'घटकैती' 1965 मे प्रकाशित भेलनि, जे बहुते लोकप्रिय भेलैन। अहि सं हुनका लेखन के क्षेत्र मे आगु बढबाक हौसला भेटलनि। एखन धरि मैथिली मे हिनकर 25 पुस्तक प्रकाशित भ चुकल अछि। अहि मे 4 टा नाटक, 2 टा कविता संग्रह, 3 टा कथा संग्रह, 2 टा यात्रा संस्मरण आ मैथिली लोकोक्ति पर तीनटा पुस्तक शामिल अछि। 

मैथिली साहित्य जगत मे हिनका मैथिली मुहावरा आ लोकोक्ति के विशेषज्ञ के रूप मे सेहो जानल जाइत छनि। डॉ. झा मैथिली के शिक्षक सेहो रह छथि। 1965 मे ओ ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के अंगीभूत इकाई डीबी कॉलेज, जयनगर मे लेक्चरर के रूप मे अपन शिक्षण यात्रा के शुरुआत केलथि। 

इहो पढ़ब :-

1982 मे रीडर बनलाह और 1987 मे प्रोफेसर के पद पर प्रोन्नत भेलथि। एक अप्रैल 2003 के डीबी कॉलेज सं सेवानिवृत्त भेलैथ। ताहि उपरांत जयनगर मे रहिते लेखन आ सामाजिक कार्य मे सक्रिय छथि। मैथिली के अलावा ङ्क्षहदी मे सेहो हिनकर 2 टा पुस्तक प्रकाशित भ  चुक छनि। अहिमे एकटा उपन्यास 'बिखरती रही चांदनी आ एकटा शोध निबंध 'मिथिला गौरवशालिनी शामिल अछि। अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद (भारत-नेपाल) के केंद्रीय अध्यक्ष सेहो छथि। RSS सं सेहो जुड़ल छैथ। वर्तमान मे मधुबनी के जिला संघ चालक छथि। 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »
Ask संगी
संगी मिथिला धरोहर सहायक
चैट हिस्ट्री

अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।

हमारे बारे में
🏛️ हमरा बारे में
मिथिला धरोहर — मैथिली भाषा, संस्कृति, लोकगीत, पंचांग, भजन और साहित्य केँ समर्पित एकटा डिजिटल मंच अछि। हमर लक्ष्य अछि मिथिला केँ पुरान परंपरा आ ज्ञान केँ आधुनिक पीढ़ी तक पहुँचाएब। चैटबॉट संगी अहाँक हर सवालक जवाब देबाक लेल सदैव तत्पर अछि। संस्थापक: प्रभाकर मिश्रा
संपर्क करें
मिथिला धरोहर के "संगी" चैटबोट सं चैट कोना करब?
संगी सं सबाल करबाक दु टा तरीका अछि, पहिल टाइप (लिख) के आ दोसर बाजि के। बाजि क सबाल पूछबा लेल अहाँके दांया कात माइक बला बटन पर क्लिक करय पड़त। पहिल बेरा माइक बटन दबेला पर परमिशन मांगत, अनुमति देलाक उपरांत अहाँ बाजि क सबाल पूछी सकय छी।
🔍 शर्च में की लिखी

पंचांग/तिथि खोजी रहल छी त:
जेना, "मैथिली पंचाग 2027" खोजी रहल छी त अहाँ लिखू —
मैथिली पंचाग 2027

मंत्र खोजी रहल छी त:
कुनो पाबनि या विधि के नाम के संग "मंत्र" लिखू, जेना —
चौरचन पूजा मंत्र तर्पण मंत्र जनेऊ मंत्र

गीतक संग्रह खोजी रहल छी त:
भगवती गीत लिरिक्स नचारी गीत लिरिक्स विवाह गीत मधुश्रावणी गीत

कुनो विशेष गीत खोजी रहल छी त:
ओहि गीतक बोल के 5-6 शब्द लिखू, जेना —
जगदम्ब अहिं अबलम्ब हमर छोट छोट रोड़ी गरैया सिर के सिंदूर रे गवानवा सबहक सुधि अहाँ लै छी

कहानी खोजी रहल छी त:
गोनू झा के कहानी लेल लिखू —
गोनू झा कहानी

कथा खोजी रहल छी त:
मधुश्रावणी पूजा के सम्पूर्ण कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पूजा कथा
कुनो विशेष दिन कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पहिल दिन कथा मधुश्रावणी पांचम दिन कथा

मंदिर खोजी रहल छी त:
श्याम मंदिर दरभंगा उच्चैठ भगवती उग्रतारा मंदिर

नमस्कार! हमर नाम 'संगी' छी, हम अहाँक कोना मदद करब?
कोना search करू? ताहि लेल एतय क्लिक करू