...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌺🌸
✨ मधुश्रावणी
मधुश्रावणी व्रत कथा संग्रह पूजा बिधि विधान सहित
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
​🎉 अहाँक लेल आबि गेल अछि 'संगी'! मिथिला धरोहरक नव स्मार्ट असिस्टेंट 'संगी' सँ भेंट करू। आब पंचांग, पावनि-तिहार, विवाह गीत वा गोनू झाक कथा खोजब भेल आओर सुगम। नीचाँ देल (दांया कात) चैट बटन पर क्लिक करू आ 'संगी' सँ तुरन्त गप्प करू!

1 मार्च 2021

बाबा मुक्तेश्वरनाथ धाम मिथिलाक प्रसिद्ध, ऐतिहासिक, पुरातत्त्विक धार्मिक तीर्थ-स्थल

भगवान शिव के समर्पित बाबा मुक्तेश्वर नाथ धाम ( Mukteshwar Nath Mandir ) मधुबनी जिलाक अन्तर्गत्त अंधराठाढ़ी प्रखंड के देवहार (बिदुलिया) ग्राम मे स्थित अछि मिथिला मे ओना त बहुते महत्त्वपूर्ण स्थान अछि जे इतिहासकार तथा पुरातत्त्वविद द्वारा बिल्कुल उपेक्षित अछि मुदा ओहि स्थल के विषय मे प्रचलित कथानक परम्परा आ लोकमान्यता ओकर अतीत के उजागर करैत अछि। मुक्तेश्वर नाथ महादेव मन्दिर जे कि मुक्तेश्वर स्थान के नाम सं प्रसिद्ध अछि एकटा बरका ऐतिहासिक आ पुरातत्त्विक धार्मिक स्थल अछि।

एना मानल जाइत अछि जे की मुक्तेश्वर स्थान सं जतय एक दिस मिथिला के प्रसिद्द पंजी प्रथा जुरल अछि ओतय दोसर दिस पुरातत्त्विक महत्त्व के अनेकानेक कलाकृति सेहो शोधार्थि के अपना दिस आकृष्ट क रहल अछि महामहोपाध्याय परमेश्वर झा अपन प्रसिद्द पुस्तक “मिथिलातत्त्व विमर्श” मे देवहार ग्राम स्थित मुक्तेश्वर नाथ महादेव मंदिर, मुक्तेश्वर स्थान के उल्लेख करैत एकरा मिथिलाक  पंजी प्रबन्ध सं संबद्ध मानने छथि।

हिनकर अनुसार सतघरा ग्राम जे कि मुक्तेश्वर स्थान सं करीब एक कि०लो० पश्चिमोत्तर मे अछि ओतय गंगौर मूल के ब्राह्मण हरिनाथ शर्मा रछैत छलथि। हरिनाथ शर्मा बहुते प्रसिद्ध, दार्शनिक एवं स्मृति रचिता छलथि हुनकर पत्नी प्रतिदिन देवहार ग्राम मे स्थित बाबा मुक्तेश्वर नाथ महादेव के दर्शनार्थ जैल करैत छलथि। एक दिन गांव मे अफवाह पसैर गेल जे एकटा चंडाल मंदिर मे जा क उक्त ब्राह्मणी के सतीत्त्व के भग्न क देलक मुदा ओहि स्त्री के कहब छलनी जे ओ चंडाल मंदिर मे आयल मुदा एकटा साँप ओकरा डैस लेलक और ओ मैर गेल और हम पवित्र छी।

कथन पर विश्वास नै क समाजक लोग निर्णय लेलक जे हिनक सतीत्त्व के परीक्षा लेल जाय। अहि परीक्षा मे धर्माध्यक्ष पंडित पीपर'क पत्ता पर हाथ मे आगिक गोला द क “नाहं चांडाल गामिनी” लिख क ओहि स्त्री के तलहत्थी पर राखल गेल मुदा स्त्री के तलहत्थी जरय लागल जाहिसं पुनः लोग ओकरा पापिन कहनाय शुरू क देलक परंतु ओ स्त्री अपना उपर लगायल गेल गलत आरोप सं छुटकारा पेबाक हेतु राजदरबार मे गुहार लगेलनी। प्रधान धर्माधित रानी अपन समक्ष पुनः ओहि स्त्री के हाथ मे पीपरक  पत्ता पर आगिक गोला रखबाक व्यवस्था केलक मुदा अहि बेरा “नाहं स्वपति व्यतिरिक्त चांडाल गामिनी” लिखल गेल अहि बेरा हाथ नै जरल फलतः हुनका निर्दोष साबित कैल गेल। एहन मानल जाइत अछि जे मुक्तेश्वर नाथ मंदिर के निर्माण लगभग २०० वर्ष पूर्व भेल छल। पुरातत्त्विक दृष्टि सं मुक्तेश्वर स्थान एकटा बरका महत्त्वपूर्ण स्थल अछि। एतय के शिवलिंग बहुते ही अनोखगर अछि। किछ दशक पूर्व एकटा सन्यासी द्वारा अहिके खुदाईक काज कैल गेल छल त देखलथि जे इ शिवलिंग नीच्चा जेबा पर अत्यंत मोट आ विशाल होइत गेल जाहिसं खुदाईक काम बंद क पुनः भरी पूजा योग्य बना देल गेल। शिवलिंग के देखला सं लागैत अछि जे इ गुप्त कालीन अछि। मिट्टी खुदाईक दौरान एकटा अत्यंत सुन्दर गणेश एवं पार्वती केर प्रतिमा सेहो भेटल जे पार्वती मंदिर मे अखनो स्थापित अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »
Ask संगी
संगी मिथिला धरोहर सहायक
चैट हिस्ट्री

अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।

हमारे बारे में
🏛️ हमरा बारे में
मिथिला धरोहर — मैथिली भाषा, संस्कृति, लोकगीत, पंचांग, भजन और साहित्य केँ समर्पित एकटा डिजिटल मंच अछि। हमर लक्ष्य अछि मिथिला केँ पुरान परंपरा आ ज्ञान केँ आधुनिक पीढ़ी तक पहुँचाएब। चैटबॉट संगी अहाँक हर सवालक जवाब देबाक लेल सदैव तत्पर अछि। संस्थापक: प्रभाकर मिश्रा
संपर्क करें
मिथिला धरोहर के "संगी" चैटबोट सं चैट कोना करब?
संगी सं सबाल करबाक दु टा तरीका अछि, पहिल टाइप (लिख) के आ दोसर बाजि के। बाजि क सबाल पूछबा लेल अहाँके दांया कात माइक बला बटन पर क्लिक करय पड़त। पहिल बेरा माइक बटन दबेला पर परमिशन मांगत, अनुमति देलाक उपरांत अहाँ बाजि क सबाल पूछी सकय छी।
🔍 शर्च में की लिखी

पंचांग/तिथि खोजी रहल छी त:
जेना, "मैथिली पंचाग 2027" खोजी रहल छी त अहाँ लिखू —
मैथिली पंचाग 2027

मंत्र खोजी रहल छी त:
कुनो पाबनि या विधि के नाम के संग "मंत्र" लिखू, जेना —
चौरचन पूजा मंत्र तर्पण मंत्र जनेऊ मंत्र

गीतक संग्रह खोजी रहल छी त:
भगवती गीत लिरिक्स नचारी गीत लिरिक्स विवाह गीत मधुश्रावणी गीत

कुनो विशेष गीत खोजी रहल छी त:
ओहि गीतक बोल के 5-6 शब्द लिखू, जेना —
जगदम्ब अहिं अबलम्ब हमर छोट छोट रोड़ी गरैया सिर के सिंदूर रे गवानवा सबहक सुधि अहाँ लै छी

कहानी खोजी रहल छी त:
गोनू झा के कहानी लेल लिखू —
गोनू झा कहानी

कथा खोजी रहल छी त:
मधुश्रावणी पूजा के सम्पूर्ण कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पूजा कथा
कुनो विशेष दिन कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पहिल दिन कथा मधुश्रावणी पांचम दिन कथा

मंदिर खोजी रहल छी त:
श्याम मंदिर दरभंगा उच्चैठ भगवती उग्रतारा मंदिर

नमस्कार! हमर नाम 'संगी' छी, हम अहाँक कोना मदद करब?
कोना search करू? ताहि लेल एतय क्लिक करू