शुक्रवार, 24 फ़रवरी 2023

Baba Nene Chaliyo Hamro Apan Nagri Lyrics | बाबा लेने चलियौ हमरो अपन नगरी लिरिक्स

Maithili Song Baba Nene Chaliyo Lyrics By Sharda Sinha | मैथिली शिव नचारी गीत बाबा नेने चलियौ लिरिक्स

बाबा नेने चलियौ हमरो अपन नगरी - 2
अपन नगरी हो झारखण्ड नगरी 
बाबा नेने चलियौ हमरो अपन नगरी - 2

अँगना बहारब बाबा, घरबा बहारब - 2
और बहारब अहाँ के डेहरी,
बाबा औरो बहारब अहाँ के डेहरी
बाबा नेने चलियौ हमरो अपन नगरी - 2

अहाँके नगर में बाबा गंगा नहायब - 2
जल भरी आनब भरी गगरी 
बाबा जल भरी आनब भरी गगरी 
बाबा नेने चलियौ हमरो अपन नगरी - 2

कार्तिक गणपति गोद खेलायब - 2
पीसब भांग रगरी रगरी,
बाबा पीसब भांग रगरी रगरी
बाबा नेने चलियौ हमरो अपन नगरी - 2

सांझ सवेरे बाबा झांकी निहारब - 2
जीवन सफल होयत हमरी
बाबा जीवन सफल होयत हमरी
बाबा नेने चलियौ हमरो अपन नगरी - 2
अपन नगरी झारखण्ड नगरी 
बाबा नेने चलियौ हमरो अपन नगरी - 2




बाबा लेने चलियौ हमरो अपन नगरी लिरिक्स

बाबा लेने चलियौ, हमरो अपन नगरी - 2
अपन नगरी यौ कैलाश पुरी - 2
बाबा लेने चलियौ, हमरो अपन नगरी - 2

पारवती के हम, टहल बजायब - 2
नित उठि नीर भरब गगरी,
यौ भोला, नित उठि नीर भरब गगरी,
बाबा लेने चलियौ, हमरो अपन नगरी - 2

बेलक पतिया, फूल चढ़ायब - 2
नित उठि भांग पिसब रगड़ी,
यौ दानी, नित उठि भांग पिसब रगड़ी,
बाबा लेने चलियौ, हमरो अपन नगरी - 2

भनही विद्यापति, सुनू हे मनाइनि - 2
इहो थिका दानीक माथक पगड़ी - 2
बाबा लेने चलियौ, हमरो अपन नगरी - 2
अपन नगरी यौ कैलाश पुरी,
अपन नगरी यौ कैलाश पुरी,
बाबा लेने चलियौ, हमरो अपन नगरी। - 2


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !