बुधवार, 29 सितंबर 2021

सखि, कि पुछसि अनुभव मोय - विद्यापति

सखि, कि पुछसि अनुभव मोय,
से हों पिरीति अनुराग बखानइत, 
तिल-तिले नूतन होय।
जनम-अवधि हम रूप निहारल,
नयन न तिरपित भेल।
सेहो मधु बोल स्रवनहि सूनल, 
स्रुति-पथ परस न भेल।
कत मधु जामिनि रभसे गमाओल,
न बुझल कइसन गेल।
लाख-लाख जुग हिये-हिये राखल,
तइयो हिय जुड़न न गेल।
कत बिदग्ध जन रस अनुमोदइ, 
अनुभव काहु न पेख
विद्यापति कह प्राण जुड़ाएत लाखे मिल न एक।

रचनाकार : विद्यापति

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !