...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

31 मई 2021

ए धनि माननि करह संजात | विद्यापति E dhani manani karah sanjat

ए धनि माननि करह संजात,
तुअ कुच हेमघाट हार भुजंगिनी ताक उपर धरु हाथ।
तोंहे छाडि जदि हम परसब कोय,
तुअ हार-नागिनि कारब माथे।
हमर बचन यदि नहि परतीत,
बुझि करह साति जे होय उचीत।
भुज पास बांधि जघन तले तारि,
पयोधर पाथर अदेह मारि।
उप कारा बांधि राखह दिन-राति,
विद्यापति कह उचित ई शादी।

रचनाकार : विद्यापति

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »