...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

28 जुल॰ 2021

लोचन धाय फोघायल हरि नहिं आयल रे - विद्यापति Lochan dhay phoghayal hari nhi aayal re

लोचन धाय फोघायल हरि नहिं आयल रे,
सिव-सिव जिव नहिं जाय आस अरुझायल रे।

मन कर तहाँ उडि जाइ जहाँ हरि पाइअ रे,
पेम-परसमनि-पानि आनि उर लाइअ रे।

सपनहु संगम पाओल रंग बढाओलरे,
से मोर बिहि विघटाओल निन्दओ हेराओल रे।

सुकवि विद्यापति गओल धनि धइरज धरु रे,
अचिरे मिलत तोर बालमु पुरत मनोरथ रे।

रचनाकार : विद्यापति

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »