रविवार, 26 दिसंबर 2021

परतह परदेस, परहिक आस - विद्यापति

परतह परदेस, परहिक आस।
विमुख न करिअ, अबस दिस बास।
एतहि जानिअ सखि पिअतम-कथा।
भल मन्द नन्दन हे मने अनुमानि।
पथिककेँ न बोलिअ टूटलि बानि।
चरन-पखारन, आसन-दान।
मधुरहु वचने करिअ समधान।
ए सखि अनुचित एते दुर जाए।
आओर करिअ जत अधिक बड़ाइ।

रचनाकार : विद्यापति

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !