अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
22 अप्रैल 2021
प्रथमहि सुंदरि कुटिल कटाख | विद्यापति
प्रथमहि सुंदरि कुटिल कटाख।
जिब जोखि नागर देअ दस लाख।
केओ देअ हास सुधा सम नीक।
जइसन परहोंक तइसन बीक।
सुनु सुंदरि नव मदन-पसार।
जनि गोपह आओब बनिजार।
रोस दरसि रस राखब गोए।
धएलें रतन अधिक मूल होए।
भलहि न हृदय बुझाओब नाह।
आरति गाहक महंग बेसाह।
भनइ विद्यापति सुनह सयानि।
सुहित बचन राखब हिय आनि।
रचनाकार - विद्यापति
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/09/aaju-dokhio-sakhi-bar-anaman-san.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/11/nahay-sonay-baruaa-maraba-par-thar.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !