...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

9 दिस॰ 2016

सुंदरि तुअ मुख मंगल दाता लिरिक्स - विद्यापति

Sundari Tu Mukh Mangal Data Lyrics

बिगलित चिकुर मिलित मुखमंडल चाँद बेढ़ल घनमाला॥ 

मिनिमय कुंडल स्रवन दुलित भेल धाम तिलक बहि गेल॥ 

सुंदरि तुअ मुख मंगल दाता॥ 

रति-विपरीत समर जदि राखब। कि करब हर धाता॥ 

किंकिनि किनिकिनि कंकन कनकन। घनघन नूपुर बाजे॥ 

रति-रन मदन पराभव मानल जय-जय दुंदुभि बाजे॥ 

तिल एक जघन सघन रब करइत होअल सैनिक भंग॥ 

विद्यापति कवि ई रस गाबए जामुन मीललि गंग॥ 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »