अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
29 दिस॰ 2025
Home
/
Chandramani Jha
/
Maithili Chahatgar Geet
/
ब्रह्म बाबा हमरो करा दऽ बियाह लीरिक्स - Baram Baba Hamro Karada Biyah Lyrics
ब्रह्म बाबा हमरो करा दऽ बियाह लीरिक्स - Baram Baba Hamro Karada Biyah Lyrics
खीर खाय लै थारी दे बऽ
दूध खाय लै पारि दे बऽ
खीर खाय लै थारी दे बऽ
दूध खाय लै पारि दे बऽ
हो दे बऽ, हो दे बऽ,
हौ दे बऽ गरमा गरम नित चाह
हौ ब्रह्म बाबा हमरो करा दऽ बियाह
ब्रह्म बाबा हमरो करा दऽ बियाह..
खीर खाय लै थारी दे बऽ
दूध खाय लै पारि दे बऽ
हो ब्रह्म बाबा हमरो करा दऽ बियाह -2
गोरकी जे भेटअ तऽ बात बुझह बनलै -2
करकी जे भेटअ तऽ चिन्ता नै करि'ह
टाका चोरौक सं पाउडर आ अलता
कीन लेबै बाबा फिकिर जूनि करि'ह
बांकी जोगार सब तोरे पर रह'तऽ -2
बाबू हमर मरखाह,
हौ ब्रह्म बाबा हमरो करा दऽ बियाह
ब्रह्म बाबा हमरो करा दऽ बियाह
नमकी जे भेटअ तऽ बात बुझह बनलै -2
छोटकी जे भेटअ तऽ चिन्ता नै करि'ह
गुदरी बजार सं आन कऽ रखने छी
एड़ी बला जूती फिकिर जूनि करि'ह
बीत रहल उत्पाती गदहा पचीसी -2
हमरा पर क'रऽ परवाह
हौ ब्रह्म बाबा हमरो करा दऽ बियाह
ब्रह्म बाबा हमरो करा दऽ बियाह
पूरब जे भेटअ तऽ बात बुझह बनलै -2
पच्छिम जे भेटअ तऽ चिन्ता नै करि'ह
लाठी कऽ हाथे हम सारी पहिरेबै
गरबर डरेस लऽ फिकिर जूनि करि'ह
अय बेर लगन मे ने लॉटरी लगे बऽ -2
तोरे सं कर बऽ बियाह
हौ ब्रह्म बाबा हमरो करा दऽ बियाह
ब्रह्म बाबा हमरो करा दऽ बियाह
खीर खाय लै थारी दे बऽ
दूध खाय लै पारि दे बऽ
हो ब्रह्म बाबा हमरो करा दऽ बियाह -2
स्वर: Hemkant Jha, गीत: चंद्रमणि झा
शेयर करू
Newer Article
⏳
Older Article
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2026/01/loha-mein-satti-gel-sona-hum-bajab-kona.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/12/aayal-chhi-badi-dur-sa.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !