अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
29 दिस॰ 2025
Home
/
Chandramani Jha
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
Maithili Vivah Song
/
Sindurdan Geet
/
फेरु नयन से अम्बे अपन पुत्र जानी क लिरिक्स - Pheru Nayan Se Ambe Lyrics
फेरु नयन से अम्बे अपन पुत्र जानी क लिरिक्स - Pheru Nayan Se Ambe Lyrics
फेरु नयन से अम्ब अपन पुत्र जानी कऽ
ककरा कहु दुखरा सघन कानी कानी कऽ
फेरु नयन से अम्ब...
जगतारणी दुख हारनी हे माई छी अहाँ -2
माताक चरण छोड़ सरण जाइ हम कहां
आँचर के छाह दान दि नीह मान कऽ
ककरा कहु दुखरा सघन कानी कानी कऽ
फेरु नयन से अम्ब...
माया महान ध्यान सं सबहक सुनैत छी -2
गलती लेल माई हम माफी मंगौत छी
दारुन कथा अति दीन के सुनियो अकान कऽ
ककरा कहु दुखरा सघन कानी कानी कऽ
फेरु नयन से अम्ब...
जिंदगी के सऽख बिंदु पर घिरनी बना देलौं -2
दर्शन लै हमर आँखि कै हिरनी बना देलौं
आशीष धुनि लऽ चंद्रमणि बैसल यै ठानी कऽ
ककरा कहु दुखरा सघन कानी कानी कऽ
फेरु नयन से अम्ब...
स्वर, गीत: चंद्रमणि झा
शेयर करू
Newer Article
⏳
Older Article
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/12/aayal-chhi-badi-dur-sa.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/12/sidhpeeth-uchaith-devi-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !