प्लास्टिकक लत्ती
प्लास्टिकके फूल
रंग वेश चटकदार
गँध मुदा बीभत्स-
रासायनिक मिक्श्चर केर सड़लहा काटि सन।
कोना क’ कोनो देवी होइती अनुकूल
सूँधि - सूँधि क’ ई फूल?
• हीटरक आँचमेँ
हीटरक आँचमेँ
असली परिमल मुदा की भेल
सूर्य क सहज - स्वस्थ तापकेँ
फराकहिसँ नमस्कार क’ लेल
अगुता क’ माथा झुका देल
युगक समक्ष।
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !