सोमवार, 30 दिसंबर 2013

मैथिली चुटकुला : रानी जंका राखब

1. रानी जंका राखब
पत्‍नी : अहाँ बियाह सँ पहिले किया नै कहलों जे अहाँ के रानी नामक एगो और कनियाँ ऐछ।
पति : कहने तऽ छलों जे अहाँ के रानी जंका राखब। 


2. चोर मोबाइल लऽ के भागल
एकटा चोर चिंटू के मोबाइल लऽ के भागैय लागल, चिंटू जोर सँ हंसैय लागल।

कनियाँ बाजलनी : चोर मोबाइल लऽ के भागी रहल ऐछ आ अहाँ हैंस रहल छी...।
चिंटू : सार के भागैय दियो, चार्जर तऽ हमरे लग  छैक।

इहो पढ़ब:- 

3. 'टू यू' कऽ बर्थ डे
फेकना जंगला सँ- पड़ोस मे की चैल रहल छै
जंगला - केकरो बर्थडे छिय्य।
फेकना- केकर ? 
जंगला - टू यू कऽ। 
फेकना- टू यू, इ के छि?
जंगला - पता नै ! सब गाबैय छल, हैप्‍पी बर्थ डे, टू यू।

Tags : # Maithili Joke # Chutkula

रविवार, 29 दिसंबर 2013

बेटी बनत गुमान : मैथिली कविता

एक माँ के छै दुनू सन्तान
तहन किया ने बेटा-बेटी एक समान
आउ अहि भेद के सम्माप्त करि
एकर मिथिला सँ सुरुबात करु।

कोखि मे बेटी जँ किओ मारत
पापक भागी तैं ओ बनत
इ गलती अहाँ नै फेर करब
इ बात अहाँ स्वीकार करु।

लाड़ दुलार सँ पोसब बेटी
जहिना किसान करै छै खेती
बेटा  सँ  की  कम  छै  बेटी
अहि बात पर अहाँ विचार करु।

बेटे जँका  बेटी  के पढ़ाबू
दू रंग के अहाँ भेद मिटाबू
पूरा शिक्षा के अधिकार भेटय
अहि बातक अहाँ प्रचार करु।

पैढ लिख के अफसर बनती
गाम  समाजक  मान  बढेती
पैघ  हैत  अहूँ  के  सम्मान
अहि बात पर कनि गौर करु।

बियाह करब अठारह के बादे
किछ कहें चाहे लोग समाज
बचपन मे बियाह क के अहाँ
बेटी'क जिनगी नै बरबाद करु।
© प्रभाकर मिश्रा "ढुन्नी"

Tags : # Kavita # Poem

गर्लफ्रेंडक संग मेला : मैथिली कविता

सुन्दर अछि गर्लफ्रेंड जेहेन हिनक,
जेना चाँदक संग चकोरा
आ दूधक संग छोहोरा।
मुदा आई काईल के छौरा सभ
मेला मे  हुरदंग मचावे जेना
पईन मे मारे हिलकोरा जेना
गरदैन मे लटकेने छि झोरा।
छौरा-छौरी हात मिला के सँग चलय
मटककी-मटककी जेना ऊटनि संग मे घोरा
आ साँपक दू टा जोरा।
मेला मे आब घुमिते- घुमिते
टांग दुखा गेल आब थाइक गेल छि
आब उठा लि य ने कोरा हंम करैछी नेहोरा।
जोरी तोहर अलबत लागय छउ,
तू फइस गेले आब माया जाल मे
जेना चोरनी संग मे चोरा,
आब  के समझेतउ तोरा।
एको मिसिया लाज लागइ छउ
चुरुक भईर पइन में ढूइब के मैर जो,
भेलउ सगरो गाम इ शोरा
जे छौरी पिटलको तोरा।
पढते-लिखते अफसर बनीते
अपन माय-बापक सान बढ़ैते
तोहर त संगीए छउ बेजोरा,
जेना बिना पयजमा मे डोरा। 

टाउन हॉल क भेटत नवका लुक

दरभंगा  :  नगर निगम आब बहुत जल्द टाउन हॉल क आधुनिक बनबै क सपना साकार करत। टाउन हॉल क लेल पहिले सँ एक करोड़क राशि स्वीकृति क अलावा तीस फीसदी अधिक क प्राक्कलन बनबै पर विचार कैल गेल। टाउन हॉल क बेहतर लुक देबै क लेल टाइल्स, मार्बल्स, ग्लासक अधिक उपयोग कैल जाएत। हॉल क अंदर बैठय क व्यवस्था क दू तल म बनैल जाएत। एकर साथे आबै-जाय क रास्ता, बैठय क लेल बेहतर फिक्स कुर्सियां, शौचालय, एसी, पार्किंग आदि व्यवस्था क लेल ग्राफ तैयार कैल गेल अछि। बतैल जैत अछि जे कि पूर्व सँ घोषित कार्य आब पूर्ण भएक रहत। जानकारक कहनै अछि जे टाउन हॉल क उद्धार हेतु आखन तक इ चौथा निरीक्षण भेल अछि। ओतय नगर विकास विभाग क आश्वासन आ जिलाधिकारी द्वारा देल गेल गफ सँ इ साफ भेल अछि कि टाउन हॉल क बहुत जल्द आधुनिकीकरण होएत। ओना त निरीक्षण आ कार्य क पूरा करै म बहुते फर्क अछि। आब देखल जाऊ अय बेर इ की करै छथिन।