...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌺🌸
✨ मधुश्रावणी
मधुश्रावणी व्रत कथा संग्रह पूजा बिधि विधान सहित
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
​🎉 अहाँक लेल आबि गेल अछि 'संगी'! मिथिला धरोहरक नव स्मार्ट असिस्टेंट 'संगी' सँ भेंट करू। आब पंचांग, पावनि-तिहार, विवाह गीत वा गोनू झाक कथा खोजब भेल आओर सुगम। नीचाँ देल (दांया कात) चैट बटन पर क्लिक करू आ 'संगी' सँ तुरन्त गप्प करू!

26 मई 2015

मिथिलाक किशोर सुनील झा पवन | A Biography of Sunil Pawan

मिथिला धरोहर : मिथिलांचल मे किशोर नाम सँ मशहूर कलाकर आ मिथिला चर्चित गायक श्री सुनील झा पवन जी के जन्म २७ मई १९७६ के दरभंगा जिलाक अंतर्गत बोहुरबा गाम मे स्वर्गीय योगेन्द्र झा आ माता बच्चा देवी के पुत्र के रूप मे भेलनि। बहुमुखी प्रतिभा सँ सम्पन सुनील जी, १९९४ सँ प्लेबैक सिंगिंग आ म्यूजिक कोम्पोजिंग सँ जुडल छथि। हिनक पहिल एल्बम के नाम छलनी 'माँ की पुकार' जे हिन्दी भाखा मे आयल छल आ हिनक पहिल मैथिलि एल्बम के नाम अछि “मैथिल विवाह”। ताहिक उपरांत "नबकी कनियाँ" आयल छल जेकर गीत, हे यै सुपौल वाली हे ये तुमौल्ल वाली बहुते लोगप्रिय भेल छल। एकर बाद हिनकर एक पर एक सुपरहिट कैसेट आयल जाही मे पिया जी, बिजुरिया, मिथिला में किशोर, शैर छै कमाल, मिथिला के बेटी, सजनियाँ, मैया रानी, दुर्गा भजन जुल्फी वाली रानियाँ, प्रेम रस, भैया के विवाह, और कतेको हिट मैथिली कसेट्स जाही मे जुल्फी वाली रानियाँ के एगो गीत बहुत हिट रहल ” कोना के टूटलो मोती के हार, कोना उजरलो तोहर सिंगार...।
सुनील झा पवन अपन मधुर आवाज एखन धरि रमा, मोसेरबेयर, टी-सिरीज, सती, भारती, सोफ्ट म्यूजिक, नीलम आ टिप्स के संगे लगभग ३६ टा नामी म्यूजिक कम्पनी मे दऽ चुकल छैथ। एकरा अलावा हिन्दी मे हिनक कसेट्स गुरुवंदना, अमृत हरी भजन, गणपति स्तोत्रम, अन्नपूर्ण स्तोत्र आ भोजपुरी मे बिल्लो रानी, लहंगा उठा देब रिमोट से, रंग उड़े ला गुलाब, जान मारे नथूनियाँ, वेवफ़ाई आदि आबि चुकल अछि। एकर अलावा बहुत रास टीवी सीरियल लेल सेहो काज कऽ चुकल छथि, जाही मे दूरदर्शन पर प्रसारित सीरियल “अंजुमन” डीडी उर्दू आ डीडी भारती पर भक्ति साधना, डीडी भारती पर प्राईड ऑफ इंडिया युवा सुर सम्राट आदि प्रमुख अछि। 

इहो पढ़ब :-
एखन धरि सुनील झा के बिभिन्न सम्मान सँ सम्मानित कयल जा चुकल छथि जाही मे मिथिला लोक चेतना मंच प्रशस्ति पत्र, रमाश्रय स्मृति सम्मान पत्र, दरभंगा नव पल्लव सम्मान पत्र आ गंध स्मृति प्रमुख अछि। एखन धरि २०० सँ अधिक गीत लिख चुकल छथि। एही मे किछु रास गीत के अप्पन स्वर देलैथ त किछु गीत के आँन गायक सभ के गाबेय लेल देलथीन। १९९४ सँ १९९८ धरि नीलम कसेट्स संग मैथिल विवाह, नवकी कनियाँ, बिजुरिया, भैया के विवाह, मारू पिचकारी पिया धीरे धीरे, दुर्गा भजन, प्रांनप्रिये, सजनियाँ, आदि गेलनि। १९९९ मे ओ टी-सिरीज़ के संगे जुरला, अहि कंपनी सँ मिथिला के बेटी, पियाजी, मिथिला के किशोर, जुल्फी बाली रानिया, दुश्मन कनियाँ आ महादेव सन सुपरहिट कैसेट्स हिनक स्वर मे आबि चुकल अछि।

इहो पढ़ब :-

२०१२ मे चंडीगढ़ के प्राचीन कला केंद्र सँ संगीत भास्कर, प्रयाग संगीत समिति इलाहाबाद सँ संगीत प्रभाकर आ गंदर्भ महाविद्यालय मुंबई सँ संगीत विशारद के उपाधि प्राप्त केने छथि। अहि दरम्यान हिनक गुरु रहलाह पंडित राजेंद्र प्रसन्ना (बनारस घराना) पंडित श्री हरीनाथ झा (डगर घराना) पंडित किरण ध्यानी (किराना घराना) सन व्यक्तित्व रही चुकल छथि।
३, अक्टूवर, २०१४ केँ सत्य घटना पर आधारित मैथिलीक बहुचर्चित फिल्म "हाफ मॉडर" मे अपन म्यूजिक कोंपोज के दम पर बॉलीवुडक मसहुर गायक जेना- श्री रवीन्द्र जैन, उदित नारायण झा, शान, कुमार शानू, कविता कृष्णमूर्ति सँ गीत गबेलैथ। एखन किछु रास और मैथिली फ़िल्म मे संगीत दऽ रहल छैथ ओहि मे सँ एकटा अछि 'आवारा कहीं के' जेकर निर्माता छैथ डॉ० राम नाथ चौधरी आ निर्देशक- अजय झा। दोसर फ़िल्म के नाम अछि 'प्रेमक बरसए फुहार' संगे एकटा हिन्दी फिल्म ये इश्क़' मे सेहो संगीत दऽ रहल छथि।

इहो पढ़ब :-

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »
Ask संगी
संगी मिथिला धरोहर सहायक
चैट हिस्ट्री

अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।

हमारे बारे में
🏛️ हमरा बारे में
मिथिला धरोहर — मैथिली भाषा, संस्कृति, लोकगीत, पंचांग, भजन और साहित्य केँ समर्पित एकटा डिजिटल मंच अछि। हमर लक्ष्य अछि मिथिला केँ पुरान परंपरा आ ज्ञान केँ आधुनिक पीढ़ी तक पहुँचाएब। चैटबॉट संगी अहाँक हर सवालक जवाब देबाक लेल सदैव तत्पर अछि। संस्थापक: प्रभाकर मिश्रा
संपर्क करें
मिथिला धरोहर के "संगी" चैटबोट सं चैट कोना करब?
संगी सं सबाल करबाक दु टा तरीका अछि, पहिल टाइप (लिख) के आ दोसर बाजि के। बाजि क सबाल पूछबा लेल अहाँके दांया कात माइक बला बटन पर क्लिक करय पड़त। पहिल बेरा माइक बटन दबेला पर परमिशन मांगत, अनुमति देलाक उपरांत अहाँ बाजि क सबाल पूछी सकय छी।
🔍 शर्च में की लिखी

पंचांग/तिथि खोजी रहल छी त:
जेना, "मैथिली पंचाग 2027" खोजी रहल छी त अहाँ लिखू —
मैथिली पंचाग 2027

मंत्र खोजी रहल छी त:
कुनो पाबनि या विधि के नाम के संग "मंत्र" लिखू, जेना —
चौरचन पूजा मंत्र तर्पण मंत्र जनेऊ मंत्र

गीतक संग्रह खोजी रहल छी त:
भगवती गीत लिरिक्स नचारी गीत लिरिक्स विवाह गीत मधुश्रावणी गीत

कुनो विशेष गीत खोजी रहल छी त:
ओहि गीतक बोल के 5-6 शब्द लिखू, जेना —
जगदम्ब अहिं अबलम्ब हमर छोट छोट रोड़ी गरैया सिर के सिंदूर रे गवानवा सबहक सुधि अहाँ लै छी

कहानी खोजी रहल छी त:
गोनू झा के कहानी लेल लिखू —
गोनू झा कहानी

कथा खोजी रहल छी त:
मधुश्रावणी पूजा के सम्पूर्ण कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पूजा कथा
कुनो विशेष दिन कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पहिल दिन कथा मधुश्रावणी पांचम दिन कथा

मंदिर खोजी रहल छी त:
श्याम मंदिर दरभंगा उच्चैठ भगवती उग्रतारा मंदिर

नमस्कार! हमर नाम 'संगी' छी, हम अहाँक कोना मदद करब?
कोना search करू? ताहि लेल एतय क्लिक करू