शुक्रवार, 29 नवंबर 2019

सब मनोरथ पूर्ण करै छथि मोरवा के भगवती वैष्णवी सती

समस्तीपुर जिलाक मोरवा प्रखंड के तीसवारा गांव स्थित जमुआरी नदी के तट पर स्थित छथि सिद्ध सती स्थान। ( Sati Sthan Sarangpur ) लोक मान्यता अछि जे भी भक्त नीक मोन सं माता सती के आराधना करैत छथि हुनका मनोवांछित फल के प्राप्ति होइत छनि। ख्याति प्राप्त मौनी बाबा के अहि स्थल पर सिद्धि प्राप्त भेल छलनी।

इहो पढ़ब :-

स्थानीय ग्रामीण सबक अनुसार सारंगपुर पूर्वी पंचायत के तिसवारा मिश्र टोली मे माता भगवती वैष्णवी सती के आय सं लगभग 800 वर्ष पूर्व आविर्भाव भेलनि। पचपने सं अनुपम तेज वाली बालिका वैष्णवी जहन युवा भेलथि तहन माता-पिता के विवाहक चिंता सताबय लगलनि। मुदा माता वैष्णवी अपन माता पिता के अपन भावी पति केर संबंध मे सबटा जानकारी अपन योग बल सं देलथि। बगले के ठाकुर टोल तिसवारा केर परम विद्वान ज्योतिषाचार्य भगवान केर भक्त पंडित श्री लक्ष्य राम ठाकुर सं हर्षोल्लास आ धूमधाम'क संग माता वैष्णवी के विवाह भेलनि। माता वैष्णवी आ बाबा लक्ष्य राम के अद्भुत ज्ञान सं सबटा इलाका धन्य धन्य भ उठल। अचानक समाधि के दौरान बाबा लक्ष्य राम ब्रह्म लीन भ गेलथि। बाबा लक्ष्य राम के पावन पार्थिव के गंगा ल जाय लागल। यमुआरी नदी श्मशान आबैत-आबैत जमुआरी नदी के भीषण बाढ़िक कारण और भारी बरखा के कारण सबटा ग्रामीण बाबा लक्ष्य राम के पावन पार्थिव के अहि स्थान पर रखबाक लेल मजबूर भ गेला। चिता सजा क पावन पार्थिव के चिता पर राखि अग्नि जरेबाक लाख प्रयास कैल गेल मुदा अग्नि नै जरल। अहि घटना सं क्षेत्र मे गहिर चिंता व्याप्त भ गेल। अहि बातक सूचना भेटैते माता वैष्णवी सोलह सिंगार क के शमशानभूमी आबि अपन कोरा मे अपन पति परमेश्वर के पावन पार्थिव के राखि लेलथि। भगवान के स्मरण करैत माता वैष्णवी भगवती पति के पावन पार्थिव के ल के चिता पर बैस गेलथि और अपन योग सं चिता के जरा देलथि। चिता धू-धू क जरय लागल भारी बर्षा के बावजूद चिता के ज्वाला आकाश के छूबय लागल। अहि दुर्लभ दृश्य के देख उपस्थित ग्रामीण जय जयकार करय शुरू केलथि। संगेह सती भ रहली माता वैष्णवी सं हाथ जोड़ी निवेदन केलनि जे हे मां अपन भक्त के लेल किछ कल्याण करु किछ वरदान द जाऊ।

इहो पढ़ब :-

माता भगवती वैष्णवी वरदान देलथि जे अहि क्षेत्र मे विशेष क तिसवारा के ग्रामीण के अकाल नै होयत। महामारी नै होयत। अहिसे शमशान भूमि मे आबि के पावन पिंडी के पूजा केनिहार के सर्व मनोकामना पूर्ण होयत। ग्रामीण के शव के अहि शमसान मे जरेला पर गंगा लाभ के पूर्ण फल प्राप्त होयत। सती भ चुकली माता भगवती वैष्णवी सती के वरदान प्राप्त क सब लोग जय जयकार करय लगला। माता वैष्णवी भगवती सती आ बाबा लक्ष्य राम ठाकुर की पिंडी बना क तहने सं पूजा शुरू क देल गेल। एतय पूर्ण कैल गेल पूजा हजार गुना भ फल दैत अछि जे भी श्रद्धालु आबय छथि हुनकर मनोकामना माता सती पूर्ण करैत छथि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !