१. सीता डोलीमे सबार - Maithili Lokgeet
आजु शुभ घड़िया आनन्द केर दिनसीता अयली हे आजु अवधपुर मे
सीता डोली मे सवार रामचन्द्र नीचा छथि ठाढ़
ई नहि उचित बेवहार, अवधपुरमे
सखि सभ गुड़ खुआय सखि देलकनि घुमाय
गालो देलथिन दुनू सेदि, अवधपुरमे
सिया चलू ने सम्हारि, ननदि छेकने अछि दुआरि
लखन पढ़इ छथि गारि, अवधपुरमे
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !