...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌺🌸
✨ मधुश्रावणी
मधुश्रावणी व्रत कथा संग्रह पूजा बिधि विधान सहित
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
​🎉 अहाँक लेल आबि गेल अछि 'संगी'! मिथिला धरोहरक नव स्मार्ट असिस्टेंट 'संगी' सँ भेंट करू। आब पंचांग, पावनि-तिहार, विवाह गीत वा गोनू झाक कथा खोजब भेल आओर सुगम। नीचाँ देल (दांया कात) चैट बटन पर क्लिक करू आ 'संगी' सँ तुरन्त गप्प करू!

29 नव॰ 2019

सब मनोरथ पूर्ण करै छथि मोरवा के भगवती वैष्णवी सती

समस्तीपुर जिलाक मोरवा प्रखंड के तीसवारा गांव स्थित जमुआरी नदी के तट पर स्थित छथि सिद्ध सती स्थान। ( Sati Sthan Sarangpur ) लोक मान्यता अछि जे भी भक्त नीक मोन सं माता सती के आराधना करैत छथि हुनका मनोवांछित फल के प्राप्ति होइत छनि। ख्याति प्राप्त मौनी बाबा के अहि स्थल पर सिद्धि प्राप्त भेल छलनी।

इहो पढ़ब :-

स्थानीय ग्रामीण सबक अनुसार सारंगपुर पूर्वी पंचायत के तिसवारा मिश्र टोली मे माता भगवती वैष्णवी सती के आय सं लगभग 800 वर्ष पूर्व आविर्भाव भेलनि। पचपने सं अनुपम तेज वाली बालिका वैष्णवी जहन युवा भेलथि तहन माता-पिता के विवाहक चिंता सताबय लगलनि। मुदा माता वैष्णवी अपन माता पिता के अपन भावी पति केर संबंध मे सबटा जानकारी अपन योग बल सं देलथि। बगले के ठाकुर टोल तिसवारा केर परम विद्वान ज्योतिषाचार्य भगवान केर भक्त पंडित श्री लक्ष्य राम ठाकुर सं हर्षोल्लास आ धूमधाम'क संग माता वैष्णवी के विवाह भेलनि। माता वैष्णवी आ बाबा लक्ष्य राम के अद्भुत ज्ञान सं सबटा इलाका धन्य धन्य भ उठल। अचानक समाधि के दौरान बाबा लक्ष्य राम ब्रह्म लीन भ गेलथि। बाबा लक्ष्य राम के पावन पार्थिव के गंगा ल जाय लागल। यमुआरी नदी श्मशान आबैत-आबैत जमुआरी नदी के भीषण बाढ़िक कारण और भारी बरखा के कारण सबटा ग्रामीण बाबा लक्ष्य राम के पावन पार्थिव के अहि स्थान पर रखबाक लेल मजबूर भ गेला। चिता सजा क पावन पार्थिव के चिता पर राखि अग्नि जरेबाक लाख प्रयास कैल गेल मुदा अग्नि नै जरल। अहि घटना सं क्षेत्र मे गहिर चिंता व्याप्त भ गेल। अहि बातक सूचना भेटैते माता वैष्णवी सोलह सिंगार क के शमशानभूमी आबि अपन कोरा मे अपन पति परमेश्वर के पावन पार्थिव के राखि लेलथि। भगवान के स्मरण करैत माता वैष्णवी भगवती पति के पावन पार्थिव के ल के चिता पर बैस गेलथि और अपन योग सं चिता के जरा देलथि। चिता धू-धू क जरय लागल भारी बर्षा के बावजूद चिता के ज्वाला आकाश के छूबय लागल। अहि दुर्लभ दृश्य के देख उपस्थित ग्रामीण जय जयकार करय शुरू केलथि। संगेह सती भ रहली माता वैष्णवी सं हाथ जोड़ी निवेदन केलनि जे हे मां अपन भक्त के लेल किछ कल्याण करु किछ वरदान द जाऊ।

इहो पढ़ब :-

माता भगवती वैष्णवी वरदान देलथि जे अहि क्षेत्र मे विशेष क तिसवारा के ग्रामीण के अकाल नै होयत। महामारी नै होयत। अहिसे शमशान भूमि मे आबि के पावन पिंडी के पूजा केनिहार के सर्व मनोकामना पूर्ण होयत। ग्रामीण के शव के अहि शमसान मे जरेला पर गंगा लाभ के पूर्ण फल प्राप्त होयत। सती भ चुकली माता भगवती वैष्णवी सती के वरदान प्राप्त क सब लोग जय जयकार करय लगला। माता वैष्णवी भगवती सती आ बाबा लक्ष्य राम ठाकुर की पिंडी बना क तहने सं पूजा शुरू क देल गेल। एतय पूर्ण कैल गेल पूजा हजार गुना भ फल दैत अछि जे भी श्रद्धालु आबय छथि हुनकर मनोकामना माता सती पूर्ण करैत छथि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »
Ask संगी
संगी मिथिला धरोहर सहायक
चैट हिस्ट्री

अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।

हमारे बारे में
🏛️ हमरा बारे में
मिथिला धरोहर — मैथिली भाषा, संस्कृति, लोकगीत, पंचांग, भजन और साहित्य केँ समर्पित एकटा डिजिटल मंच अछि। हमर लक्ष्य अछि मिथिला केँ पुरान परंपरा आ ज्ञान केँ आधुनिक पीढ़ी तक पहुँचाएब। चैटबॉट संगी अहाँक हर सवालक जवाब देबाक लेल सदैव तत्पर अछि। संस्थापक: प्रभाकर मिश्रा
संपर्क करें
मिथिला धरोहर के "संगी" चैटबोट सं चैट कोना करब?
संगी सं सबाल करबाक दु टा तरीका अछि, पहिल टाइप (लिख) के आ दोसर बाजि के। बाजि क सबाल पूछबा लेल अहाँके दांया कात माइक बला बटन पर क्लिक करय पड़त। पहिल बेरा माइक बटन दबेला पर परमिशन मांगत, अनुमति देलाक उपरांत अहाँ बाजि क सबाल पूछी सकय छी।
🔍 शर्च में की लिखी

पंचांग/तिथि खोजी रहल छी त:
जेना, "मैथिली पंचाग 2027" खोजी रहल छी त अहाँ लिखू —
मैथिली पंचाग 2027

मंत्र खोजी रहल छी त:
कुनो पाबनि या विधि के नाम के संग "मंत्र" लिखू, जेना —
चौरचन पूजा मंत्र तर्पण मंत्र जनेऊ मंत्र

गीतक संग्रह खोजी रहल छी त:
भगवती गीत लिरिक्स नचारी गीत लिरिक्स विवाह गीत मधुश्रावणी गीत

कुनो विशेष गीत खोजी रहल छी त:
ओहि गीतक बोल के 5-6 शब्द लिखू, जेना —
जगदम्ब अहिं अबलम्ब हमर छोट छोट रोड़ी गरैया सिर के सिंदूर रे गवानवा सबहक सुधि अहाँ लै छी

कहानी खोजी रहल छी त:
गोनू झा के कहानी लेल लिखू —
गोनू झा कहानी

कथा खोजी रहल छी त:
मधुश्रावणी पूजा के सम्पूर्ण कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पूजा कथा
कुनो विशेष दिन कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पहिल दिन कथा मधुश्रावणी पांचम दिन कथा

मंदिर खोजी रहल छी त:
श्याम मंदिर दरभंगा उच्चैठ भगवती उग्रतारा मंदिर

नमस्कार! हमर नाम 'संगी' छी, हम अहाँक कोना मदद करब?
कोना search करू? ताहि लेल एतय क्लिक करू