शनिवार, 24 अप्रैल 2021

मिथिलाक बेटा मनोज वाजपेयी के बायोग्राफी

Manoj Bajpayee Biography in Maithili

प्रारंभिक जीवन : मनोज वाजपेयी के जन्म पश्चिमी चंपारण जिला के Narkatiaganj नरकटियागंज के एकटा छोट सन गाँव बेलवा के किसान परिवार में 23 अप्रैल 1969 भेल छलनी। मनोज बाजपेई जी अपन स्कूली पढाई  बेतिया जिला के के० के० आर हाई स्कूल सं केने छथि। आ अपन 12th क्लास के पढ़ाई महारानी जानकी कॉलेज, बेतिया सं पूरा केलथी। स्‍नातक के पढ़ाई लेल दिल्‍ली विश्‍वविद्यालय के रामजस कॉलेज आबि गेलैथ। हिनका नेशनल स्कूल ऑफ़ ड्रामा सं चाइर बेरा खारिज क देल गेलैन ताहि उपरांत इ बैरी डरामा स्कूल सं बैरी जॉन के संग थीयेटर केलथि।

मनोज वाजपेयी के कैरियर के शुरुआत दूरदर्शन पर प्रसारित होय बला धारावाहिक स्वाभिमान के साथ भेलनि। हिनकर पहिल डेब्यू फिल्म ‘द्रोहकाल’ साल 1994 में रिलीज भेल छलनी, जाहिमे हिनका सिर्फ एक मिनट के रोल भेटल छलनी। ओहिके बाद ‘बैंडिट क्वीन’ (1994) में डाकू मान सिंह के एकटा छोट भूमिका अदा केलथि। जाहिमे हिनका बहुते प्रशंसा भेटलनि।

एहिके बाद मनोज बाजपेयी किछ छोट छोट रोल केलथि मुदा हिनका अपन मनमुताबिक रोल नै भेटलनि आ ओ मुम्बई छोड़बाक मोन बना लेलैथ मुदा 1998 मे राम गोपाल वर्मा के फिल्म सत्या में काज करबाक उपरांत कहिओ वापस घुइम के नै देखलथि। अहि फिल्म लेल हिनका सर्वश्रेष्ठ सह-अभिनेता के राष्ट्रीय पुरस्कार और फिल्मफेयर के सर्वोत्तम अभिनेता पुरस्कार (समीक्षक) मुख्य अछि।

1999 मे फिल्म शूल में मनोज वाजपेयी द्वारा निभायल गेल किरदार समर प्रताप सिंह के लेल हिनका फिल्मफेयर के सर्वोत्तम अभिनेता पुरस्कार भेटलनि। अमृता प्रीतम के मशहूर उपन्यास ‘पिंजर’ पर आधारित फ़िल्म पिंजर के लेल एक बेरा फेर राष्ट्रीय पुरस्कार भेटलनि। एकर बाद त चारु दिस मनोज वाजपेयी के एक्टिंग के चर्चा होमय लगलनि। चाहे ओ 2010 मे आयल प्रकाश झा निर्देशित फिल्म राजनीति होय या 2012 मे आयल फिल्म गैंग्स ऑफ वासेपुर मे मनोज सरदार खान के किरदार। एकर अलाबा "स्पेशल 26", 'दाउद", "प्रेम कथा", "तम्मना", "सत्या", "कौन", "शूल",  "LOC कारगिल", "फिजा", "दिल पे मत ले यार", "वीर-जारा", "जेल" इ सब हिनकर किछ फिल्म अछि। 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !