...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

19 अप्रैल 2022

जय-जय संकर जय त्रिपुरारि लिरिक्स - विद्यापति | Jay Jay Shankar Jay Tripurari Lyrics

जय-जय संकर जय त्रिपुरारि,
जय अध पुरुष जयति अध नारि।

आध धवल तनु आधा गोरा,
आध सहज कुच आध कटोरा।

आध हड़माल आध गजमोति,
आध चानन सोह आध विभूति।

आध चेतन मति आधा भोरा,
आध पटोर आध मुँजडोरा।

आध जोग आध भोग बिलासा,
आध पिधान आध दिग-बासा।

आध चान आध सिंदूर सोभा,
आध बिरूप आध जग लोभा।

भने कबिरतन विधाता जाने,
दुइ कए बाँटल एक पराने।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »