गुरुवार, 20 जून 2024

सबके घुरलै दिन दुनिया लिरिक्स - Sabke Gurlai Din Duniya Lyrics

सबके घुरलै दिन दुनिया हमर जरलै रहि गेल
सबके घुरलै दिन दुनिया हमर जरलै रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल
सबके घुरलै दिन दुनिया हमर जरलै रहि गेल
सबके घुरलै दिन दुनिया हमर जरलै रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल

तोरे कृपा सऽ भेटै निर्धन के धन माँ
कोठा अटारी नीक निकुत भोजन माँ
तोरे कृपा सऽ भेटै निर्धन के धन माँ
कोठा अटारी नीक निकुत भोजन माँ
सबसे तल्ला पर दूतल्ला हमर झोपड़िये रहि गेल
सबसे तल्ला पर दूतल्ला हमर झोपड़िये रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल

हमर बिपति देखि दुनिया हँसै ये
तोरा अछैते सब टूगर कहै ये
हमर बिपति देखि दुनिया हँसै ये
तोरा अछैते सब, टूगर कहै ये
मै गे सबटा शौख सेहेन्ता हमर लगले रहि गेल
मै गे सबटा शौख सेहेन्ता हमर लगले रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल

जन्में सऽ हम दुःखे दिवस बितेलौं
सुख भेल सपना कहियो ने पेलौं
जन्में सऽ हम दुःखे दिवस बितेलौं
सुख भेल सपना कहियो ने पेलौं
मै गे दरभंगिया के सुख लै मोन लगले रहि गेल
मै गे दरभंगिया के सुख लै मोन लगले रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल
सबके घुरलै दिन दुनिया हमर जरलै रहि गेल
सबके घुरलै दिन दुनिया हमर जरलै रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल

गुरुवार, 13 जून 2024

Hey Ganga Maiya Lyrics - मांगीला हम बरदान हे गंगा मैया लिरिक्स

ओम नम: शिवाय
ओम नम: शिवाय
ओम नम: शिवाय
मैया हे गंगा मैया -2

मांगीला हम बरदान 
हे गंगा मैया
मांगीला हम बरदान 
मांगीला हम बरदान 
हे गंगा मैया
मांगीला हम बरदान 
मांगीला हम बरदान 
मैया हे गंगा मैया -2

जनक पुर नैहर दिह 
सासुर अवधपुर समान
जनक पुर नैहर दिह 
सासुर अवधपुर समान
सासुर अवधपुर समान
मैया हे गंगा मैया -2

मैया हे गंगा मैया -2
राजा दशरथ ससुर दिह 
सासु कौशिल्या समान
राजा दशरथ ससुर दिह 
सासु कौशिल्या समान
सासु कौशिल्या समान
मैया हे गंगा मैया -2

पारबती हमरा बनैह 
स्वामी शंकर समान
पारबती हमरा बनैह 
स्वामी शंकर समान
स्वामी शंकर समान
मैया हे गंगा मैया -2

राम जैसन बेटा तू दिह 
बेटी सीता समान
राम जैसन बेटा तू दिह 
बेटी सीता समान
बेटी सीता समान
मैया हे गंगा मैया -4

सोमवार, 10 जून 2024

मिथिला पंचांग 2024-25 PDF Download - Maithili Panchang PDF 2024-2025

Download Maithili Panchang 2024-2025

मिथिला पंचांग 2024-25 मैथिली में PDF डाउनलोड लिंक एहि लेख के निचला भाग में देल गेल अछि। लिंक पर क्लिक क मिथिला पंचांग 2024 - 2025 के PDF डाउनलोड क सकैत छी।


PDF Name: Mithila Panchang 2024-25
PDF Size: 13 MB
Download Link: गूगल ड्राइव
Total Page: 35


नोट : डाउनलोड लिंक पर क्लिक केलाक बाद पुनः वैह ब्राऊजर सलैक्ट करि, जाहि ब्राऊजर में मिथिला धरोहर साइट खोलने हैब, पञ्चांग फ़ाइल आसानी सँ डाऊनलोड भ जायत।

शुक्रवार, 7 जून 2024

कांचहि बांस केर गहबर लिरिक्स - छठि पूजा लोकगीत | Kaanchahi Baans Ker Gahabar Lyrics

कांचहि बांस केर गहबर
आहे सोबरन लागल केबाड़
ताही मे सँ निकलय सुरुजमनि
आहे कोने दाइ उखम डोलाउ
अरघक बेर भेल हे
भिनसरक पहरमे डोमिन बेटी हे
बेटी घनी दउरिया लऽ आउ
अरधक बेर भेल हे
बेटी पियरे कनसुपती लय आउ
पुरुब रंथी ठाढ़ भेल हे
भिनसरक पहरमे बनिआइन बेटी हे
बेटी धनी सुपारी लय आउ
अरघक बेर भेल हे
भिनसरक पहरमे तोहें मालिन बेटी हे
बेटी धनी सतरंगा फुल-हार लय आउ
अरधक बेर भेल हे
भिनसरक पहरमे तोहें ब्राह्मण देव हे
ब्राह्मण पियरे रंग जनउआ लय आउ
अरधक बेर भेल हे