गुरुवार, 26 सितंबर 2024

जगदम्ब चरण चित्त ध्यान हमर लिरिक्स - Jagdamb Charan Chitt Dhyan Hamar Song Lyrics

जगदम्ब चरण चित्त ध्यान हमर
माता सन जग में के दोसर
सम्पूर्ण सृस्टि हिनकहि रचना
अनुपम अद्भुत के करत परतर
जगदम्ब चरण चित्त ध्यान हमर
माता सन जग में के दोसर

जे पूजत माय के विमल चरण
हो निश्चय हुनकर कष्ट हरण
एलौं हर्षित माईक गहबर
ऐछ अम्ब चरण पर आस हमर
जगदम्ब चरण चित्त ध्यान हमर
माता सन जग में के दोसर

माईक माया भरि जग पसरल
माईक लीला ब्रमांड सकल
तैं गहल हिनक हम युगल चरण
माहिक चरणन में बास हमर
जगदम्ब चरण चित्त ध्यान हमर
माता सन जग में के दोसर

हम पुत्र कपूत रहि तैइयो
ऐछ ध्यान गुमान अहिं पर माँ
छोड़ब ने कहियो मृदुल चरण
दुर्गति सुभगति जे होय हमर
जगदम्ब चरण चित्त ध्यान हमर
माता सन जग में के दोसर

माईक ममता में लिपटल ऐछ
ई विश्व हमहूँ हुनकहि रचना
नै छोड़ब तोरब भक्ति ध्यान
बरु साहब कष्ट जे होयत हमर
जगदम्ब चरण चित्त ध्यान हमर
माता सन जग में के दोसर

नै भरि जग दोसर इष्ट हमर
माँ पूजब आहाँक अभीष्ट हमर
अछि बौरायल व्याकुल तारा
करू माफ दोष हरु कष्ट सकल
जगदम्ब चरण चित्त ध्यान हमर
माता सन जग में के दोसर
सम्पूर्ण सृस्टि हिनकहि रचना
सम्पूर्ण सृस्टि हिनकहि रचना
अनुपम अद्भुत के करत परतर
जगदम्ब चरण चित्त ध्यान हमर
माता सन जग में के दोसर

गीतकार: तारा नन्द दास

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !