अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
29 अप्रैल 2020
सैसव जौवन दुहु मिलि गेल लिरिक्स | विद्यापति
रचनाकार - विद्यापति
सैसव जौवन दुहु मिलि गेल ।
स्रवनक पथ दुहु लोचन लेल ।।
वचनक चातुरि लहु-लहु हास ।
धरनिए चाँद कएल परगास ।।
मुकुर हाथ लए करए सिङ्गार ।
सखि पूछए कैसे सुरत-बिहार ।।
निरजन उरज हेरइ कत बेरि ।
बिहुसए अपन पयोधर हेरि ।।
पहिल बदरि सम पुनु नवरङ्ग ।
दिने-दिने मदन अगोरल अङ्ग ।।
माधव देखल अपरुब बाला ।
सैसव जौवन दुहु एक भेला ।।
विद्यापति कह तुहु अगेआनि
दुहु एक जोग इह के कह सयानि ।।
Tags
Vidyapati Geet
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2020/05/maithili-bhojpuri-film-actress-shweta-aajad-from-muzaffarpur-motipur.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2020/04/manchh-banayab-kaal-ke-maithili-geet.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Vidyapati Geet
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !