...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌺🌸
✨ मधुश्रावणी
मधुश्रावणी व्रत कथा संग्रह पूजा बिधि विधान सहित
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
​🎉 अहाँक लेल आबि गेल अछि 'संगी'! मिथिला धरोहरक नव स्मार्ट असिस्टेंट 'संगी' सँ भेंट करू। आब पंचांग, पावनि-तिहार, विवाह गीत वा गोनू झाक कथा खोजब भेल आओर सुगम। नीचाँ देल (दांया कात) चैट बटन पर क्लिक करू आ 'संगी' सँ तुरन्त गप्प करू!

2 मई 2020

भोजपुरी और मैथिली फिल्म जगत में धमाल मचा रहली श्वेता आजाद, पढू कोना शुरू भेलनी सफर

मिथिला धरोहर : बचपने सं थियेटर आ फिल्म मे काम करबाक सपना और लगातार ओहि दिस प्रयास सं मुजफ्फरपुर जिला के मोतीपुर ( Muzaffarpur Motipur) प्रखंड'क बरूराज के रहय बाली श्वेता आजाद ( Shweta Aajad ) के मंजिल भेटा देलनि। एखने किछ दिन पूर्व मैथिली भाषा मे बनल फिल्म 'लव यू दुल्हिन' ( Maithili Film Love U Dulhin ) सं श्वेता के बहुते ख्याति भेटलनि। इ फिल्म दिल्ली के मल्टीप्लेक्स समेत आन शहर मे सेहो चलल।
एना शुरू भेलनी सफर
बचपने सं श्वेता अपन पिता के थियेटर करैत देखी ओहि क्षेत्र मे अपन कैरियर बनेबाक सोचलनी। खुद सं तैयारी सेहो करैत रहली, मुदा शुरूआत मे हुनका मौके नै भेटलनि। 2009 मे श्वेता के बियाह भ गेलनि और ओकर उपरांत ओ दिल्ली चली गेली। ओतय एकटा  बच्चे के सेहो जन्म देलथि और एकरा बाद सेहो निरंतर फिल्म और सिरियल लेल प्रयास करैत रहलथि। पति के सेहो साथ भेटलनि आ 2015-16 मे पहिल बेर  महुआ चैनल पर परफैक्ट श्रीमति शो लेल श्वेता के ऑफर भेटलनि त हुनकर खुशी के ठिकाना नै रहलनि। एकर बाद अहि चैनल पर भौजी नंबर वन के सतमा सीजन मे श्वेता फस्र्ट रनर अप सेहो रहलथि। बिग गंगा चैनल पर बिग मेमसाहब शो मे सेहो श्वेता काज केलथि। संगेह गुनेहगार क्राइम सिरियल मे सेहो श्वेता बखूबी अपन किरदार निभेलथी। अहि दौरान प्रतिभा लगातार निखरैत गेलनि।

इहो पढ़ब:-
और फिल्म मे भेटय लगलनि ऑफर
श्वेता अहि शो आ सिरियल सं अतेक ख्याति बटोरीलनी जे आब फिल्म मे सेहो हुनका ऑफर भेटनाय शुरू भ गेलनि। 2019 मे श्वेता 'दुल्हा हिंदुस्तानी' भोजपुरी फिल्म मे सेकेंड लीड एक्ट्रेस के रूप मे काज केलथि। संगेह हाले मे रिलीज भेल मैथिली फिल्म 'लव यू दुल्हिन' दोसर राज्य मे सेहो ख्याति पेलक।

इहो पढ़ब:-
अहि वर्ष के अंत धरि आन फिल्म सेहो रिलीज हैत। अहि मे एकटा प्रेम कहानी भोजपुरी फिल्म मे श्वेता और भोजपुरी के मसहूर अभिनेत्री मोनालिशा सेहो छथि। अहिके बाद सौगंध बा हमरा सुहाग के भोजपुरी फिल्म सेहो रिलीज होयत। आगु एकटा हिंदी फिल्म मे सेहो काज करती। एकर तैयारी चली रहल अछि।


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »
Ask संगी
संगी मिथिला धरोहर सहायक
चैट हिस्ट्री

अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।

हमारे बारे में
🏛️ हमरा बारे में
मिथिला धरोहर — मैथिली भाषा, संस्कृति, लोकगीत, पंचांग, भजन और साहित्य केँ समर्पित एकटा डिजिटल मंच अछि। हमर लक्ष्य अछि मिथिला केँ पुरान परंपरा आ ज्ञान केँ आधुनिक पीढ़ी तक पहुँचाएब। चैटबॉट संगी अहाँक हर सवालक जवाब देबाक लेल सदैव तत्पर अछि। संस्थापक: प्रभाकर मिश्रा
संपर्क करें
मिथिला धरोहर के "संगी" चैटबोट सं चैट कोना करब?
संगी सं सबाल करबाक दु टा तरीका अछि, पहिल टाइप (लिख) के आ दोसर बाजि के। बाजि क सबाल पूछबा लेल अहाँके दांया कात माइक बला बटन पर क्लिक करय पड़त। पहिल बेरा माइक बटन दबेला पर परमिशन मांगत, अनुमति देलाक उपरांत अहाँ बाजि क सबाल पूछी सकय छी।
🔍 शर्च में की लिखी

पंचांग/तिथि खोजी रहल छी त:
जेना, "मैथिली पंचाग 2027" खोजी रहल छी त अहाँ लिखू —
मैथिली पंचाग 2027

मंत्र खोजी रहल छी त:
कुनो पाबनि या विधि के नाम के संग "मंत्र" लिखू, जेना —
चौरचन पूजा मंत्र तर्पण मंत्र जनेऊ मंत्र

गीतक संग्रह खोजी रहल छी त:
भगवती गीत लिरिक्स नचारी गीत लिरिक्स विवाह गीत मधुश्रावणी गीत

कुनो विशेष गीत खोजी रहल छी त:
ओहि गीतक बोल के 5-6 शब्द लिखू, जेना —
जगदम्ब अहिं अबलम्ब हमर छोट छोट रोड़ी गरैया सिर के सिंदूर रे गवानवा सबहक सुधि अहाँ लै छी

कहानी खोजी रहल छी त:
गोनू झा के कहानी लेल लिखू —
गोनू झा कहानी

कथा खोजी रहल छी त:
मधुश्रावणी पूजा के सम्पूर्ण कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पूजा कथा
कुनो विशेष दिन कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पहिल दिन कथा मधुश्रावणी पांचम दिन कथा

मंदिर खोजी रहल छी त:
श्याम मंदिर दरभंगा उच्चैठ भगवती उग्रतारा मंदिर

नमस्कार! हमर नाम 'संगी' छी, हम अहाँक कोना मदद करब?
कोना search करू? ताहि लेल एतय क्लिक करू