...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

24 अप्रैल 2020

माछ बनयबा काल के गीत - मैथिली लोकगीत

१. कथी केर हाँसू लए माछ बनबथिन हे Lurics

कथी केर हाँसू लए माछ बनबथिन हे
हे नव सुन्दरि दुलहिन
कथी केर बेंट लगाय
हे नव सुन्दरि दुलहिन
सोना केर हाँसू लए माछ बनबथिन हे
हे नव सुन्दरि दुलहिन
रूपे के बेंट लगाय
हे नव सुन्दरि दुलहिन
एकहि हाथे काटब सुहबे रहू मछरिया
हे नव सुन्दरि दुलहिन
सखि सब देती नहि तऽ गारि
हे नव सुन्दरि दुलहिन

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »