अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
18 नव॰ 2023
Home
/
Durga Bhajan
/
Madhav Rai
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
एना रूइस आहाँ जइयौ ने मैया लिरिक्स - Ena Ruis Aahan Jaiyau Ne Maiya Lyrics
एना रूइस आहाँ जइयौ ने मैया लिरिक्स - Ena Ruis Aahan Jaiyau Ne Maiya Lyrics
आरे एना रूइस आहाँ जइयौ ने मैया,
जइयौ ने मैया,
तोरियौ ने ममता के डोर,
तोरियौ ने ममता के डोर,
कोना क बिदाई करू हे जगजननी,
करू हे जगजननी,
नैना स झहरैये नोर,
नैना स झहरैये नोर…
आरे नवो दिन जननी चरण हम पुजलीयइ,
चरण हम पुजलीयइ,
आइब गेलै दसमी के भोर,
आइब गेलै दसमी के भोर,
किए मैया बनेलें जतरा विसर्जन,
जतरा विसर्जन,
विधि ई बिदाई के कठोर,
विधि ई बिदाई के कठोर…
आरे आहाँ बिनू माँ हम टुगर कहाबी,
टुगर कहाबी,
कियो नाही जग में ये मोर,
कियो नाही जग में ये मोर,
कोना का रहब हम माँ जगदम्बे,
माँ जगदम्बे,
रही रही लागइए बकोर,
रही रही लागइए बकोर…
आरे बेटा के छोइर जूनि जईयौ हे माता,
जईयौ हे माता,
धरब हम ककर पछोड़,
धरब हम ककर पछोड़,
ममता के जिनगी आहीं छी हे अम्बे,
आहीं छी हे अम्बे,
तोरियौ ने आशक डोर,
तोरियौ ने आशक डोर…
आरे ममतामयी छी आहाँ के ने जनईए,
के ने जनईए,
भइर जग में अइछ शोर,
भइर जग में अइछ शोर,
अक्षय आ माधव पर कृपा माँ बरसेबई,
कृपा माँ बरसेबई,
कर जोइर लागै छी माँ गोर,
कर जोइर लागै छी माँ गोर,
एना रूइस आहाँ जइयौ ने मैया,
जइयौ ने मैया,
तोरियौ ने ममता के डोर,
तोरियौ ने ममता के डोर,
कोना क बिदाई करू हे जगजननी,
करू हे जगजननी,
नैना स झहरैये नोर,
नैना स झहरैये नोर
स्वर: माधव राय
गीतकार: अक्षय आनन्द 'सन्नी
इहो पढ़ब :-
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/10/hamro-ke-par-lagaiya-parmesri-maiya.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/10/lajawab-chhi-aahan-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !