अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
24 जून 2015
Home
/
Kohbar Geet
/
एते दिन बाजय कोइली भोर भिनसरबा लिरिक्स | Ate din baje koili lyrics, कोहबर लोकगीत
एते दिन बाजय कोइली भोर भिनसरबा लिरिक्स | Ate din baje koili lyrics, कोहबर लोकगीत
Ete Din Baajay Koili Bhor Bhinsarba Lyrics
एते दिन बाजय कोइली भोर भिनसरबा,
आइ किए बाजय आधी राति हे
कोइली सबद सुनि पिया मोरा जागल,
तखने चलल परदेश हे
घरसँ बहार भेली सुहबे से कनियां सुहबे,
धय लेल पिया के पछोर हे
अपने तऽ जाइ छी पिया देश रे विदेशबा,
हमरो के कहाँ छोड़ने जाइ हे
नहिरा मे छथि धनि माय-बाप-भइया,
सासुरमे लक्ष्मण दिओर हे
अपना लेल छथिन प्रभु माय-बाप भइया,
अपना लेल लक्ष्मण दिओर हे
अहीं तऽ पिया सींथक सिन्दूर हमार,
अहीं प्रभु सोहरो सिंगार हे
Tags
Kohbar Geet
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/10/nadiya-ke-tire-tire-mali-phulabariya.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/11/madhav-chalal-madheyapur-he-nagari.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Kohbar Geet
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !