...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

13 मार्च 2024

बाबा करू ने कन्यादान दान हे लिरिक्स - Baba Karu Ne Kanyadan he Lyrics

Janghiya Chadhay Baba Lyrics

जंघिया चढ़ाए बाबा बैसला मंडप पर
बाबा करू ने धिया दान हे
आहे बाबा करू ने धिया दान हे
सुसुकी-सुसुकी रोवे माई सुनैना
सुसुकी-सुसुकी रोवे माई सुनैना
तुहु बेटी हरलैं मोर प्राण हे
आहे बाबा करू ने कन्यादान हे

जाहि धिया लाय बाबा नटुआ नचाओल
सेहो बेटी होई छैथ विरान हे
जाहि धिया लाय बाबा नटुआ नचाओल
सेहो धिया होई छैथ विरान हे
जंघिया चढ़ाए बाबा बैसला मंडप पर
बाबा करू ने धिया दान हे
जंघिया चढ़ाए बाबा बैसला मंडप पर
जंघिया चढ़ाए बाबा बैसला मंडप पर
बाबा करू ने धिया दान हे आहे
बाबा करू ने कन्यादान हे


वर करू हाथ तऽर कन्या करु ऊपर
ताही में सोहे दूबी धान हे
तऽर करू हाथ वर कन्या करु ऊपर
ताही में सोहे दूबी धान हे
जंघिया चढ़ाए बाबा बैसला मंडप पर
बाबा करू ने कन्यादान हे


जंघिया चढाए बाबा बैसला मंडप पर (2)

जंघिया चढाए बाबा बैसला मंडप पर
आहे बाबा करू ने धिया दान हे
आहे बाबा करू ने धिया दान हे

गुरु ओ वशिष्ठ मुनि मंत्र पढ़ाओल
मंत्र पढ़ये श्री राम हे
वर हाथ तर करू कन्या हाथ ऊपर
ताहि में शोभित बीड़ा पान हे

सुसुकी-सुसुकी रोवे माता सुनैना,
आजू धिया होयत बिरान हे,
चुपे रहू चापे रहू माता सुनैना
इहे छई जगत विधान हे,

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »