शुक्रवार, 8 नवंबर 2024

मैथिली कोहबर गीत- पूरब पश्चिम मुहक घर Purab paschim muhak ghar lyrics

पूरब पश्चिम मुहक घर
दुल्हा चलु ने कोबर
चलि के देखु ने भीतर कोबर घर मे

देखू कोबर के लिखाई
पुरैनी पाति के सफाई
आय तऽ कनियाँ बजती 
अहाँ संग कोबर घर मे

ऊपर चाँद सुरुज निवास
नीचा बर कनियाँ के वास
आय तऽ कनियाँ बजती 
अहाँ संग कोबर घर मे

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !