बुधवार, 18 सितंबर 2024

अन-धन सोनमा अहाँ हमरो के देलहु लिरिक्स - ब्राह्मण गीत

Aan Dhan Sonama Ahan Hamro Ke Lyrics

अन-धन सोनमा अहाँ हमरो के देलहुँ
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू
पुत्र बिनु लगइए उदास, 
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू

जौं तोरा आहे सेवक पुत्र फल देब
हमरो के कीये देब दान, 
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू

गाम के पछिम हम पीड़िया बनायब
कोस भरि छीलब चौपाड़ि,
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !