ओठगर गीत :-
Anaka kahal kie Aela mahal lyrics
अनका कहल किए ऐला महल,
चारू लालना सँ पुछियौन है।
बान्हू सखि कसि बन्धन प्रबल,
कसि लालन के बधियौन है।
मिथिला में घुमि घुमि शेखी देखौलनि,
आइये घुसरतैन शेखी सकल,
कसि लालन के बंधियौन हे।
चौदह भुवन जे अनका बन्धैछथि,
बूझ कतेक मिथिलानी मे बल,
कसि लालन के बंधियौन हे।
बान्हि दियौन तखन ओखर मुसरवा
आठ चोट गनि कूटथि सम्भल,
आई धनमा कुटथियौन हे।
स्नेहलता किए चित के चुरौलनि,
भोगथु अपन चित चोरी के फल,
कसि लालन के बंधियौन हे।
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !