शुक्रवार, 18 सितंबर 2020

आंगनमे लागल छै चम्पा चमेली गमकि उठलै लिरिक्स - Anganame Lagal Chhai Champa Chameli Lyrics

छमकि उठलै / चन्द्रमणि
 
आंगनमे लागल छै चम्पा चमेली गमकि उठलै
हौले-हौले ई पुरिबा गमकि उठलै
अयलै बसंत कंत घुरियोने अयलै कुहुकि उठलै
भोरे-भोरे कोइलिया कुहुकि उठलै।। भोरे....

साओन सिनेहिया सिनेह जोड़ि गेलै
भादव अन्हरियामे नेह तोड़ि गेलै
आसिनमे आसे गोसाउनिकें पूजल, खनकि उठलै
कर जोरैमे कंगना खनकि उठलै।। भोरे...

कातिक करेजा कठोर भेलै पीके
अगहनमे अन्ने तऽ करबै की जी के
कन-कन बसात मास पूसक सताबै, सिहकि उठलै
तन बेधन बैरिनयिा सिहकि उठलै।। भोरे...

माघ मास आध कोना रहबै गे दइया
फागुनके फगुओमे दूर निरमोहिया
चैतक महीनामे चंचल बदन मन, छमकि उठलै
दुहु पैरक पैजनिया छमकि उठलै।। भोरे....

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !