अवधेश मिश्रा जी ( Actor Awadhesh Mishra ) हिन्दी, मैथिली आ भोजपुरी सिनेमा के लोकप्रिय अभिनेता छैथ खास क भोजपूरी इंडस्ट्री में खलनायक के रूप मे हिनकर अलग पहचान छैन आ सबसँ बेसी प्रसिद्ध और लोकप्रिय सेहो छैथ। अवधेश मिश्रा जी के जन्म 5 अगस्त 1969 के मां सीता केर जन्म स्थली सीतामढी के सुतिहारा में भेल छनि।
पटना आ दिल्ली रंगमंच पर अपन अभिनय क्षमता देखेला के उपरांत अवधेश मिश्रा जी मुंबई आबि गेला जतय हिनका दस साल धरि संघर्ष करय पड़लनि । ओ चाहैत छलैथ जे बॉलीवुड या टीवी चैनल में हिनका काज भेटैन मुदा इ आतेक आसान नै छल। अपन कैरियरक प्रारंभ में हिनका एकटा हिन्दी धारावाहिक 'शान्ति' में छोट छीन भूमिका भेटलैंन मुदा आगू सीरियल बला हिनका अस्वीकार क देलकैन। अवधेश जीक पहिल ब्रेक भेटलनि मैथिलीक बहुचर्चित फ़िल्म "कखन हरब दुख मोर" (2005) में जाहिमें ओ उगना अवतरणक पूर्वक महादेव बनल छलैथ। अहि फिल्म एकटा गीत गीत” आजु नाथ एक ब्रत महासुख” में हिनक नृत्य बड़ सुंदर फिल्मायल गेल अछि।
फेर ओहि समय 2005 मे हिनका भोजपुरी सिनेमा 'दूल्हा अइसन चाहीं' में खलनायक के भूमिका लेल ऑफर भेटलनि और ओ हं कैह देलैथ। अहि फिल्म सफलताक उपरांत हिनका एकटा और फिल्म ऑफर एलनी और अहि संगे अवधेश मिश्रा भोजपुरी फ़िल्म में खलनायकीके एकटा नव आयाम प्रदान क देलैथ। ताहि पश्चात हिनका ल'ग फिल्म भरमार भ गेलनि। एखन धरि तीन दर्जन सं बेसी फिल्म में काज कय चुकल छैथ। 'कहाँ जइबऽ राजा नजरिया लड़ाई के' आ “ओढनिया कमाल करे “के लेल सर्वश्रेष्ठ खलनायकक पुरस्कार जीत चुकल छैथ।

'कहाँ जइबऽ राजा नजरिया लड़ाई के' आ “ओढनिया कमाल करे “के लेल सर्वश्रेष्ठ खलनायकक पुरस्कार जीत चुकल छैथ।
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !