...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌺🌸
✨ मधुश्रावणी
मधुश्रावणी व्रत कथा संग्रह पूजा बिधि विधान सहित
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
​🎉 अहाँक लेल आबि गेल अछि 'संगी'! मिथिला धरोहरक नव स्मार्ट असिस्टेंट 'संगी' सँ भेंट करू। आब पंचांग, पावनि-तिहार, विवाह गीत वा गोनू झाक कथा खोजब भेल आओर सुगम। नीचाँ देल (दांया कात) चैट बटन पर क्लिक करू आ 'संगी' सँ तुरन्त गप्प करू!

18 सित॰ 2020

हिन्दी, मैथिली आ भोजपुरी सिनेमा के लोकप्रिय अभिनेता छैथ अवधेश मिश्रा जी

अवधेश मिश्रा जी ( Actor Awadhesh Mishra ) हिन्दी, मैथिली आ भोजपुरी सिनेमा के लोकप्रिय अभिनेता छैथ खास क भोजपूरी इंडस्ट्री में खलनायक के रूप मे हिनकर अलग पहचान छैन आ सबसँ बेसी प्रसिद्ध और लोकप्रिय सेहो छैथ। अवधेश मिश्रा जी के जन्म 5 अगस्त 1969 के मां सीता केर जन्म स्थली सीतामढी के सुतिहारा में भेल छनि।

पटना आ दिल्ली रंगमंच पर अपन अभिनय क्षमता देखेला के उपरांत अवधेश मिश्रा जी मुंबई आबि गेला जतय हिनका दस साल धरि संघर्ष करय पड़लनि । ओ चाहैत छलैथ जे बॉलीवुड या टीवी चैनल में हिनका काज भेटैन मुदा इ आतेक आसान नै छल। अपन कैरियरक प्रारंभ में हिनका एकटा हिन्दी धारावाहिक 'शान्ति' में छोट छीन भूमिका भेटलैंन मुदा आगू सीरियल बला हिनका अस्वीकार क देलकैन। अवधेश जीक पहिल ब्रेक भेटलनि मैथिलीक बहुचर्चित फ़िल्म "कखन हरब दुख मोर" (2005) में जाहिमें ओ उगना अवतरणक पूर्वक महादेव बनल छलैथ। अहि फिल्म एकटा गीत गीत” आजु नाथ एक ब्रत महासुख” में हिनक नृत्य बड़ सुंदर फिल्मायल गेल अछि।

फेर ओहि समय 2005 मे हिनका भोजपुरी सिनेमा 'दूल्हा अइसन चाहीं' में खलनायक के भूमिका लेल ऑफर भेटलनि और ओ हं कैह देलैथ। अहि फिल्म सफलताक उपरांत हिनका एकटा और फिल्म ऑफर एलनी और अहि संगे अवधेश मिश्रा भोजपुरी फ़िल्म में खलनायकीके एकटा नव आयाम प्रदान क देलैथ। ताहि पश्चात हिनका ल'ग फिल्म भरमार भ गेलनि। एखन धरि तीन दर्जन सं बेसी फिल्म में काज कय चुकल छैथ। 'कहाँ जइबऽ राजा नजरिया लड़ाई के' आ “ओढनिया कमाल करे “के लेल  सर्वश्रेष्ठ खलनायकक पुरस्कार जीत चुकल छैथ।
हिनकर अन्य फ़िल्म अछि  'गंगा तोहार पानी अमृत', 'सुहाग', 'रंगीला बाबू', 'बर्दी बाला गुण्डा' , 'ज्वाला मंडी, 'भोजपुरिया डॉन', 'विधाता', 'आपन माटी आपन देश,' 'बिहारी माफिया',  'लागल रहऽ ऐ राजा जी', 'पथर के सनम' (2019), 'प्रशासन', मेरी जंग मेरा फैसला', 'डमरू' (2018 'संघर्स', 'नागदेव', 'बॉर्डर',  'मेंहदी लगा के रखना ' (2017), देवरा बड़ा सताबे ला' आदि अछि।

'कहाँ जइबऽ राजा नजरिया लड़ाई के' आ “ओढनिया कमाल करे “के लेल  सर्वश्रेष्ठ खलनायकक पुरस्कार जीत चुकल छैथ।


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »
Ask संगी
संगी मिथिला धरोहर सहायक
चैट हिस्ट्री

अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।

हमारे बारे में
🏛️ हमरा बारे में
मिथिला धरोहर — मैथिली भाषा, संस्कृति, लोकगीत, पंचांग, भजन और साहित्य केँ समर्पित एकटा डिजिटल मंच अछि। हमर लक्ष्य अछि मिथिला केँ पुरान परंपरा आ ज्ञान केँ आधुनिक पीढ़ी तक पहुँचाएब। चैटबॉट संगी अहाँक हर सवालक जवाब देबाक लेल सदैव तत्पर अछि। संस्थापक: प्रभाकर मिश्रा
संपर्क करें
मिथिला धरोहर के "संगी" चैटबोट सं चैट कोना करब?
संगी सं सबाल करबाक दु टा तरीका अछि, पहिल टाइप (लिख) के आ दोसर बाजि के। बाजि क सबाल पूछबा लेल अहाँके दांया कात माइक बला बटन पर क्लिक करय पड़त। पहिल बेरा माइक बटन दबेला पर परमिशन मांगत, अनुमति देलाक उपरांत अहाँ बाजि क सबाल पूछी सकय छी।
🔍 शर्च में की लिखी

पंचांग/तिथि खोजी रहल छी त:
जेना, "मैथिली पंचाग 2027" खोजी रहल छी त अहाँ लिखू —
मैथिली पंचाग 2027

मंत्र खोजी रहल छी त:
कुनो पाबनि या विधि के नाम के संग "मंत्र" लिखू, जेना —
चौरचन पूजा मंत्र तर्पण मंत्र जनेऊ मंत्र

गीतक संग्रह खोजी रहल छी त:
भगवती गीत लिरिक्स नचारी गीत लिरिक्स विवाह गीत मधुश्रावणी गीत

कुनो विशेष गीत खोजी रहल छी त:
ओहि गीतक बोल के 5-6 शब्द लिखू, जेना —
जगदम्ब अहिं अबलम्ब हमर छोट छोट रोड़ी गरैया सिर के सिंदूर रे गवानवा सबहक सुधि अहाँ लै छी

कहानी खोजी रहल छी त:
गोनू झा के कहानी लेल लिखू —
गोनू झा कहानी

कथा खोजी रहल छी त:
मधुश्रावणी पूजा के सम्पूर्ण कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पूजा कथा
कुनो विशेष दिन कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पहिल दिन कथा मधुश्रावणी पांचम दिन कथा

मंदिर खोजी रहल छी त:
श्याम मंदिर दरभंगा उच्चैठ भगवती उग्रतारा मंदिर

नमस्कार! हमर नाम 'संगी' छी, हम अहाँक कोना मदद करब?
कोना search करू? ताहि लेल एतय क्लिक करू